पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री डॉ मनमोहन सिंह स राज्य क महत्वपूर्ण पुरातात्विक स्थल क खुदाई क लेल संबंधित एजेंसी कए निर्देश देबाक अनुरोध केेलथि अछि। श्री कुमार डॉ सिंह कए लिखल पत्र मे कहला अछि जे राज्य मे कईटा ऐतिहासिक स्थल अछि, जाहि ठाम पुरातात्विक अवशेष मौजूद अछि। एहि मे स अधिकतर स्थल कए ताकल जा चुकल अछि, जखनकि राजगीर, बोधगया, चिरांद, कुर्कीहार आ वैशाली मे खुदाई कैल जेबाक आवश्यकता अछि। श्री कुमार कहला जे पुरातात्विक महत्व स जुड़ल एहि स्थल आओर स्मारक क अपर्याप्त सुरक्षा क कारण एहि पर गंभीर खतरा उत्पन्न भ गेल अछि।
नीतीश क प्रधानमंत्री स अनुरोध
Published: April 20, 2010Posted in: समाचार
