
पटना। शिक्षा क प्रति आधी आबादी मे केहन जागरुकता आइल अछि एकर रोचकदृश्य आइ-काल्हिइंटर परीक्षा क केन्द्र पर देखबा मे आबि रहल अछि। केन्द्र क बाहर पतिदेव गोदी मे बच्चा खेला रहल छथि आ मैडम दे रहल छथि परीक्षा।
केन्द्राधीक्षक क कहब अछि जे सरकारी नौकरी मे महिला क लेल बढ़ल अवसर क मद्देनजर महिला मे इंटर परीक्षा देबाकपरिपाटी बढ़ल अछि। पटनाकएकटा परीक्षा केन्द्र पर एहनो महिला परीक्षार्थी पर्चे लिख रहल छथि, जिनकर गोदी मे बच्चा छैन। ओना अधिकतर बच्चावाली महिला परीक्षार्थी परीक्षा शुरू हेबा स पहिने केन्द्र क मुख्यद्वार पर पतिदेव क गोदी मे बच्चा सौंपकए पर्चा लिख रहल छथि।
वर क गोदी मे बच्चा, कनिया द रहल छथि परीक्षा
Published: March 18, 2010Posted in: समाचार
