नीतीश केलथि महिला आरक्षण बिल क समर्थन

पटना । बिहार मे पंचायत स्तर पर महिला कए आरक्षण द इतिहास रचनिहार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार महिला आरक्षण बिल क समर्थन मे आबि गेलाह अछि। एखनधरि महिला आरक्षण बिल मे ओबीसी आ मुस्लिम महिला क लेल कोटा क मांग करि रहल जदयू लेल नीतीश क इ कदम काफी अहम अछि, किया किनीतीश राजग संयोजक आ पार्टी अध्यक्ष शरद यादव स विपरीत मत राखि नब बहस शुरू करि देलथि अछि। शरद यादव एखनो लालू आ मुलायम संग यादव गुट मे शामिल छथि आ एकर विरोध करि रहल छथि। सूत्र कहैत अछि जे नीतीश कुमार शरद यादव स सेहो अपील करताह जे ओ अपन फैसला पर फेर स विचार करथि। नीतीश कुमार क कहब अछि ओ सेहो चाहैत छथि जे ओबीसी आ मुस्लिम महिला क लेल कोटा हुए, मुदा एहि आधार पर महिला आरक्षण बिल कए लटकाएब राखब ठीक नहि।

Related posts:

  1. जदयू मे शांति लेल पहल करथि नीतीश : शिवानंद
  2. मुख्यमंत्री लिखताह एसपी क सीआर
  3. आब विश्वास यात्रा पर निकलताह नीतीश
  4. नीतीश क प्रधानमंत्री स अनुरोध
  5. दिल्ली दरबार मे बिहारक आवाज भेल बुलंद