पटना। विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा सूचना एवं प्रसारण मंत्री अंबिका सोनी कए पत्र लिखकए मैथिली कए दूरदर्शन आ आकाशवाणी पर कम स कम तीन घंटा क समय देबाक अनुरोध केलथि अछि। ओ कहला जे मैथिली कए अष्ठम अनुसूची मे छह वर्ष पूर्व शामिल कैल गेल, मुदा एखन धरि एकरा उचित समय नहि भेटल अछि।
झा मंत्री कए लिखल पत्र मे कहला अछि,’एहि सिलसिला मे पिछला माह अपने स भेंट करबाक कोशिश केने रही, मुदा अपनेक विदेश यात्रा पर जेबाक कारण स इ संभव नहि भ सकल छल। ओ कहला जे एखन अन्य क्षेत्रीय भाषा जेका मैथिली कए दूरदर्शन आ एआईआर पर समय नहि भेट रहल अछि । आकाशवाणी दरभंगा द्वारा पांच मिनट क बुलेटेन पेश कैल जाइत अछि जेकरा पटना मे तैयार कराउल जाइत अछि। इ गंभीर गप अछि जे अहांक मंत्रालय मैथिली क लेल एखन धरि कोनो पहल नहि केलकअछि। मैथिली मे समाचार, सांस्कृतिक कार्यक्रम आदि के लेल कम स कम तीन घंटा क समय आवंटित हेबाक चाही।
दूरदर्शन पर मैथिली कए देल जाए तीन घंटा समय : ताराकांत
Published: February 27, 2010Posted in: समाचार

Aadarniya Tarakant Jhajee apnek suchna awam prasaran matri se je manga kelhu o bahut jaruri achhi ekra te bahut pahune se adhikar bhetwak chahi.
Dhanyabad