आखिर मैथिली मे शपथ लेलथि परमानंद झा


काठमांडू । भारतक चमचागिरी करबा लेल हिन्दी मे शपथ लेनिहार नेपालक उपराष्ट्रपति आखिरकार मैथिली आ नेपाली भाषा मे नेपाल क उपराष्ट्रपति पद क फेर स शपथ ल एहि संबंध मे उठल विवाद कए खत्म क देलथि।
मधेशी नेता परमानंद झा सुप्रीम कोर्ट क नेपाली भाषा मे शपथ लेबाक निर्देश मानबा स इनकार केलाक बाद उपराष्ट्रपति पद कए निष्क्रिय करि देल गेल छल। कोर्ट हुनकर हिन्दी मे शपथ कए ‘असंवैधानिकÓ करार द देन छल।
राष्ट्रपति रामबरन यादव रविदिन झा कए नेपाली आ मैथिली भाषा मे पद आ गोपनीयता क शपथ दिया एहि विवाद कए खत्म केलथि। नेपाल क इतिहास मे एहन पहिल बेर भेल जखन कोनो संवैधानिक पद पर नियुक्त व्यक्ति दू भाषा मे शपथ लेलथि। झा सोमवार कार्यभार सम्हारि लेलथि।
पिछला हफ्ता अंतरिम संविधान मे संशोधन क जरिये देश मे राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति आ प्रधानमंत्री कए हिन्दी समेत हुनकर मातृभाषा मे शपथ कए वैध करार द देल गेल छल। नेपाल क तराई इलाक मे रहनिहार मधेसी समुदाय मे मैथिली भाषा सबस बेसी लोक बजैत अछि।

Related posts:

  1. नेपाल मे राष्ट्रवाद क प्रतीक बनल भारत विरोध