बिहार मे घटल पोलियो क मामला

पटना। अंतरराष्ट्रीय स्वास्थ्य संगठन क अधिकारी हेमंत शुक्ला क कहब अछि जे बिहार मे एकटा विशेष नीति क तहत पोलियो उन्मूलन अभियान चलाउल जा रहला अछि, जेकर कारण स पीडि़त क संख्या मे कमी आएल अछि। ओ कहला जे वर्ष 2007 मे पोलियो क जतय 503 मामला छल, ओतहि 2008 मे 233 मामले सामने आएल। एहि प्रकार स 2009 मे सिर्फ 117 मामला प्रकाश मे आएल। शुक्ला क मुताबिक पिछला साल अक्टूबर स एखनधरि पी 1 क एकोटा मामला प्रकाश मे नहि आएल अछि।
ओ कहला जे बिहार मे एहि वर्ष स ‘वाइवेलेंट ओरल पोलियो वैक्सीनÓ क प्रयोग प्रारंभ करि देल गेल अछि। सात फरवरी स 10 फरवरी तक पोलियोरोधी खुराक देबाक अभियान मे एहि वैक्सीन क उपयोग भ रहल अछि। इ वैक्सीन पोलियो क पी 1 आ पी 3 दूनू मामला कए रोकबा मे सहायक अछि। राज्य क स्वास्थ्य विभाग क सचिव सीके मिश्र कहला जे सात फरवरी स 10 फरवरी तक 1,17,000 टा बच्चा कए इ खुराक देल जाइत।

Related posts:

  1. आर्सेनिक प्रभावित क्षेत्र क लोक लेल गंगाजल
  2. दिल्ली मे जरल लालटेन, बिहार मे बढ़ल लौ
  3. चिलमन क ओट स निकलल हुनर
  4. नरसंहार मे हमर हाथ नहीं : नक्सली
  5. खुलल राज, भेटल अकबरनामा