बिहार क मदद लेल अमेरिका तैयार


पटना। अमेरिकी राजदूत तिमोथी जे रोमर दू दिनक यात्रा पर बिहार पहुंचलाह अछि। इ कोनो अमेरिका राजदूतक निवेश संबंधि चर्चा लेल पहिल बिहार दौरा छी। एक दशक पूर्व अमेरिकी राजदूत प्रदेश क दौरे पर आयल छलाह, मुदा ओ दौरा पर्यटनक नजरि स छल। अमेरिकी राजदूत तिमोथी जे रोमर नीतीश सरकार क कार्य पर सराहना क मुहर लगबैत कहला जे विकासक बाट पर चलि रहल बिहारक सहयात्री बनाबा लेल अमेरिका तैयार अछि। राजदूत रोमर कहला जे अमेरिका बिहार क विकास मे हर संभव मदद करत। रोमर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स घंटा भरि गप करलाक बाद पत्रकार क सवालक उत्तर द रहल छलाह। राष्ट्रपति बराक ओबामा क मंशा स अवगत करबैत ओ कहला जे बिहार सन कम विकसित राज्य क अमेरिका विकास चाहैत अछि।
पत्नी सैली रोमर आ अन्य अफसर क संग पहुंचल अमेरिकी राजदूत मुख्यमंत्री क संग विकास क मुद्दा पर गंभीर चर्चा केलथि। रोमर कहला जे नीतीश क नेतृत्व मे बिहार आधारभूत संरचना, स्वास्थ्य, शिक्षा, ग्रामीण विकास, डेयरी आ ई-शक्ति क क्षेत्र मे बहुत प्रगति केलक अछि। 11.3 प्रतिशत क विकास दर बता रहल अछि जे सूबा प्रगति क दिस अग्रसर अछि। कानून व्यवस्था क क्षेत्र मे सेहो सुधार भेल अछि। नीतीश क संग बैठक मे रोमर मुख्यमंत्री स प्रदेश क विकास क मंत्र जनबाक इच्छा प्रकट केलथि। नीतीश क जवाब छल, न्याय क संग विकास। ओ राजदूत स अनुरोध केलथि जे अमेरिकी निवेशक कए बिहार मे एबा लेल प्रोत्साहित करू। रोमर हुनका शिक्षा, ऊर्जा, कृषि, फूड प्रोसेसिंग, आधारभूत संरचना आदि क्षेत्र मे अमेरिकी निवेश शीघ्र हेबाक भरोस देलथि। बैठक मे अमेरिका क वाणिज्य दूत मैथ्यू असद, मिशन डायरेक्टर यूएस एड इरिनसोटो आ कैबिनेट सचिव अफजल अमानुल्लाह सेहो उपस्थित छलथि।

Related posts:

  1. एम्स कैंपस सेहो अछि जातिवाद क शिकंजा मे
  2. पटना मे दौड़ल ट्वाय ट्रेन
  3. एनआरजीबीए क पहिल बैठक मे राखल गेल बिहारक पक्ष
  4. बिहार मे खुलत कृषक पाठशाला
  5. विकास क आधार अछि बिहार : जसवंत