बिहार क सड़क पर फिदा भेलथि कैटरीना


पटना । मौर्य टीवी क उद्घाटन समारोह क मंच स फिल्म अभिनेत्री कैटरीना कैफ कहलथि- का हाल बा पटना.. हुनकर एहि अंदाज पर एसके मेमोरियल हॉल ताली स गूंज उठल। हुनकर एहि अंदाजक सम्मान मे बच्चू यादवक बिहार पाछु छुटल आ हीरामन क बिहार अपन-अपन सीट स उठि बिहार मे बदलल माहौलक गवाही देलक। बिहारी स भेटल एहि सम्मान स गदगद कैटरीना कहलथि जे हम पहिल बेर पटना एलहुं अछि। हमरा एहि ठामक सड़क काफी नीक लागल। मुदा एहि ठामक लोक त जबाव नहि। एहि मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे बिहार क विरासत समृद्ध अछि। हम बिहार क हेरायल गरिमा लौटा कए रहब। ओ मौर्य टीवी कए शुभकामना दैत कहला जे आब लोक अपन भाषा आ बोली मे कार्यक्रम देखताह। ओ कहलथि प्रकाश झाक अपहरण जेकां बिहार मे अपहरण सेहो पिछला गप भ गेल। आब त नीक राजनीतिक समय अछि। आ हमरो राजनीतिक इंतजार अछि। देखबाक अछि जे ओहि मे लोकसभा क राजनीति अछि या विधानसभा क। कुमार चुटकी लैत कहला जे एहि महफिल मे हुनकर की काज। प्रदेश मे चुनाव क मौसम अछि। दर्शक कैटरीना आ कैलाश कए सुनबा लेल आतुर छथि। बेसी समय मंच पर रहि हम लोक कए नहि तमसायब हमर वोट कम भ जाएत। समारोह ेमे अर्जुन रामपाल, मनोज वाजपेयी, मनोज तिवारी आ रवि किशन सेहो छलाह।

Related posts:

  1. आन्हर क रोल करब चुनौती छल: श्रृति झा
  2. एम्स कैंपस सेहो अछि जातिवाद क शिकंजा मे
  3. पारसमणि नहि छथि नीतीश
  4. दिसंबर स मूर्त रूप लेत इन्द्रपुरी जल विद्युत परियोजना
  5. बदलल पटना, मुदा नहि बदलल पटनाक दुर्गा पूजा