बिहार मे नक्सली हमला, 16 ग्रामीण क हत्या

2OCT91U
पटना। बिहार क खगडिया जिला क मोरकही थाना क्षेत्र मे गुरुवार देर रात संदिग्ध नक्सली 16 लोक क गोली मारिकए हत्या करि देलक। मारल गेल लोक मे 11 वयस्क आ पांचटा नाबालिग शामिल अछि। राज्य क अपर पुलिस महानिदेशक नीलमणि क अनुसार इ नक्सली हमला लगैत अछि। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नरसंहार क निंदा करैत मृतकक परिजन कए डेढ़-डेढ़ लाख टका मुआवजा क घोषणा कलथि अछि। एक अन्य पुलिस अधिकारी कहला जे एखन धरि 16 शव बरामद करि लेल गेल अछि। घटनास्थल जिला मुख्यालय स 10 किलोमीटर दूर अछि। एहि स पहिने पुलिस कहलक जे अलौली थाना क्षेत्र क इचरूआ गांव क लोक मोरकही थाना क्षेत्र क अमौसी गांव मे रहिकए खेती करैत छल। एहि ठाम काफी दिन स जमीन कए ल कए किछु लोक स हिनकर विवाद चलि आबि रहल छल। एहि विवाद क वजह स एहि हत्या क अंजाम देल गेल अछि। खगडिया क अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी (एसडीपीओ) अजय कुमार पांडेय घटना क पुष्टि करैत कहला जे घटना क पाछु भूमि विवाद अछि । मरयवाला मे किछु नवयुवक अछि। पांडेय क मुताबिक सब लोक अपन-अपन घर मे सुतल छलाह जखन किछु अज्ञात लोक गाम मे धावा बाजि देलक आओर लोक कए घर स उठा कए अपन संग ल गेलाह। गाम क बाहर ल गेलाक बाद गोली मारिकए सबहक हत्या करि देल गेल। अधिकारी कहला जे पुलिस मामला क छानबीन प्रारंभ करि देल गेल अछि आ जिला क वरिष्ठ पुलिस पदाधिकारी घटनास्थल पर पहुंच गेलथि अछि।

राज्य सरकार पर बरसला लालू
पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद सामूहिक नरसंहार क लेल राज्य सरकार कए जिम्मेदार ठहराउलथि अछि। ओ घटना क निंदा करैत कहलथि जे राज्य सरकार कए एकर जिम्मेदारी लेबाक चाही। दोसर कात लोजपा सुप्रीमो रामविलास पासवान कहलथि जे बिहार मे कोनो सरकार नहि अछि। सुशासन क नाम पर कुशासन चलि रहल अछि। गरीब मारल जा रहल अछि। इ सरकार कए आब चल जेबाक चाही।