नोराइल आंखि स केलहू विदाई

samaad-d
अपन नहियर आयल मां दुर्गा पांच दिन बाद विदा भ गेलीह। मां क विदाई काल सब आंखि नोरायल छल। विदाई गीत स सब भावुक भेल छल। मां क खोइझ भरबा काल किछु महिला त फूटि-फूटि कनलीह। एक-दोसर कए सिनूर लगा सौभाग्यक आशिष ल सब मां कए अगिला साल एबाकलेल आमंत्रित केलीह।