नई दिल्ली । बिहार आ दिल्ली मे भेल उपचुनाव मे सत्ताधारी दल कए झटका लागल अछि। दिल्ली विधानसभा मे जतय लालटेन जरल गई, ओतहि बिहार मे ओकर रोशनी बढ़ल अछि। बिहार में 17 सीट पर भेल चुनाव मे नीतीश कुमार क पार्टी कए मात्र तीन सीट भेटल अछि। जखन कि लालू प्रसाद क पार्टी आरजेडी कए सात सीट भेटल अछि। एलजीपी कए तीन, बसपा कए एक, निर्दलीय कए एक आओर कांग्रेस कए दू सीट पर जीत हासिल भेल अछि। एना मे सत्तारूढ़ जदयू-भाजपा गठबंधन 18 मे स छह सीट जीतलक अछि। राजद, लोजपा आ कांग्रेस दस सीट पर कब्जा केलक अछि। एक-एक टन सीट बसपा व निर्दलीय कए भेटल।
दोसर दिस दिल्ली मे ओखला सीट पर राष्ट्रीय जनता दल क आसिफ मुहम्मद खान जीत दर्ज कैलथि अछि। ओ बसपा क ब्रह्म सिंह कए पांच हजार मत स हरा देलथि।
एहि उपचुनाव में जदयू मुंगेर, त्रिवेणीगंज, धुरैया आ बगहा सीट पर कब्जा जमौलक। जखन कि भाजपा बेगूसराय आ चैनपुर सीट पर जीत दर्ज केलक। राजद-लोक जनशक्ति पार्टी आठ सीट पर कब्जा जमौलक। राजद कल्याणपुर, बोचहा, फुलवारी, रामगढ़ आ औरई सीट जीत लेलक। लोजपा बोधगया, वारिसनगर आ अररिया सीट पर कब्जा जमौलक। कांग्रेस सिमरी बख्तियारपुर आ चेनारी विधानसभा सीट जदयू स छीन लेलक। एकर अलावा नौतन सीट पर बसपा आ घोसी विधानसभा सीट पर निर्दलीय प्रत्याशी जीत दर्ज कैलथि। घोषित नतीजा पर राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद कहलथि जे इ परिणाम मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क लेल खतरा क घंटी अछि।
दिल्ली मे जरल लालटेन, बिहार मे बढ़ल लौ
Published: September 17, 2009Posted in: समाचार

uttam..bahut badhiya…pahil kadam etek sundar..i t’ bas jhanki achhi…maithili ke elite class tak pahunchebak lel dhanyabaad….