नीतीश कए फंसेबाक साजिश छल

nitishपटना। पटना जिला क बाढ़ अनुमंडल क पंडारक थाना क्षेत्र क ढीबर गांव स कथित तौर पर अगवा रामानंद सिंह कए कांग्रेस नेता आ पूर्व सांसद अरुण कुमार क आवास स बरामद भेलाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क खिलाफ एकटा पैघ साजिश क खुलासा भेल। पुलिस सूत्र क कहबाक छैक जे पूर्व सांसद क राजधानी स्थित आशियाना नगर क आवास पर छापा मारलाक बाद अपहृत रामानंद कए बरामद कैल जा सकल। एहि क्रम मे हुनकर आवास स अपहरणकर्ता बख्तियारपुर निवासी अमरेश कए सेहो गिरफ्तार कैल गेल। रामानंद क पुत्र चंदन पटना क वरीय पुलिस अधीक्षक क समक्ष शिकायत केने छलाह जे हुनकर पिता कए अज्ञात लोक सब अपहरण करि लेलक अछि। एकर बाद पुलिस मामला क तहकीकात करैत कांग्रेस नेताक घर तक पहुंचल आ रामानंद कए सकुशल बरामद केलक । बाद मे रामानंद पुलिस कए कहलथि जे अरुण कुमार हुनका स कहने छलाह जे नीतीशक खिलाफ गवाही देबाक अछि जे वर्ष 1991 क बाढ़ लोकसभा चुनाव क दौरान ओ अपन आंखि स नीतीश कुमार कए ढीवर गाम निवासी सीताराम सिंह कए गोली मारैत देखने छलाह। पुलिस क समक्ष अपहरणकर्ता अमरेश सेहो स्वीकार केलक जे ओ पूर्व सांसद क कहबा पर रामानंद कए ओकर घर पर स उठा अनने छल। ओ इ सेहो स्वीकार केलक जे मुख्यमंत्री क खिलाफ गवाही देबा लेल रामानंद कए दस हजार टका मे राजी केने छल। एहि बीच जदयू क प्रदेश अध्यक्ष राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह कहला जे एहि खुलासा क बाद इ साबित भ गेल जे बाढ़ क अदालत मे जे किछु भेल ओकर पाछु गहीर साजिश छल। ओ कहला जे इ साजिश सरकार कए अस्थिर करबा लेल रचल गेल छल।
की अछि मामला
पटना जिला क बाढ़ क्षेत्र मे 16 नवंबर, 1991 कए भेल लोकसभा चुनाव क दौरान ढीबर स्थित माध्यमिक विद्यालय मतदान केन्द्र संख्या 168 क बाहर सीताराम सिंह कए गोली मारिकए हत्या करि देल गेल छल। एहि मामला मे नीतीश कुमार, दुलारचंद यादव, दिलीप कुमार सिंह, योगेन्द्र यादव आ बौधू यादव पर पंडारक थाना मे एकटा मामला दर्ज कराउल गेल छल।