आर्सेनिक प्रभावित क्षेत्र क लोक लेल गंगाजल

patnaपटना। राज्यक आर्सेनिक प्रभावित क्षेत्र क लोक आब गंगा जल पीताह। लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग क दिस स राज्य क जाहि जिल क शुरुआती चरण मे चयन केेलक अछि ,ओहि मे भोजपुर, भागलपुर, बक्सर, पटना आ वैशाली शामिल अछि। सूबा क 15 जिला मे आर्सेनिक क प्रभाव पाउल गेल अछि, मुदा तत्काल ओहि क्षेत्रों मे गंगाजल क लिफ्टिंग भ सकैत अछि जे गंगा नदी क कछैर मे बसल अछि।
बक्सर जिला क 130, पटना क 25, वैशाली क 45 गाम क अलावा भागलपुर जिला क 200 स अधिक गाम क लोक कए एहि योजना क लाभ भेटत। एहि योजना क तहत ओहि गाम क चयन कैल गेल अछि, जे आर्सेनिक प्रभावित अछि। विभाग एहि क्षेत्र क जल नमूना क जांच पहिने करि चुकल अछि। शुद्ध पेयजल क व्यवस्था क लेल मल्टीविलेज स्कीम क स्वीकृति देल गेल अछि।
भागलपुर जिला मे सुल्तानगंज आ नाथनगर प्रखंड क आर्सेनिक प्रभावित 86 आओर एहि जिला क कहलगांव आ पीरपैंती प्रखंड क 141 गाम क चयन कैल गेल अछि। ज्ञात हुए जे सुल्तानगंज मे गंगा क उत्तरवाहिनी बहाव अछि। सावन आ भादो माह मे एहि ठाम काफी संख्या मे शिव भक्त जुटैत छथि। लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण मंत्री अश्विनी कुमार चौबे कहैत छथि जे सुल्तानगंज मे एहि योजना कए चालू भेला सश्रद्धालु कए सेहो लाभ होयत। भोजपुर मे योजना क क्रियान्वयन शुरू भ चुकल अछि। बक्सर आ पटना मे एखन काज शुरू हेबाक अछि। भागलपुर क सुल्तानगंज आ नाथनगर क योजना पर 78.29 करोड़ क राशि खर्च होयत।