डिजिटल लेन-देन पर उपभोक्ता कए भेटत छूट, व्‍यापारी कए भेटत जीएसटी मे राहत

4 मई के जीएसटी काउंसिल के बैठक में होयत राजस्व विभाग क प्रस्ताव पर फैसला

मणिभूषण राजू

नई दिल्ली । डिजिटल लेन-देन कए बढ़ावा देबाक लेल सरकार उपभोक्ता सभकए छूट देबाक तैयारी कए रहल अछि। सूत्र सबहक अनुसार, राजस्व विभाग उपभोक्ता सबकए डिजिटल ट्रांजैक्शन पर 100 टकका छूट आओर उद्योग सबकए कैशबैक देबाक प्रस्ताव पर काज कय रहल अछि । एहि प्रस्ताव कए 4 मई क होए बला जीएसटी मीटिंग मे राखल जाएत। एहि मीटिंग क अध्यक्षता वित्त मंत्री अरुण जेटली करताह ।

पीएमओ में भेल चर्चा

सूत्र क अनुसार डिजिटल लेन-देन पर छूट देबाक मुद्दा पर प्रधानमंत्री कार्यालय मे भेल एकटा बैठक मे विचार कैल गेल । मीटिंग मे डिजिटल ट्रांजैक्शन करबा पर कोन-कोन तरह सँ छूट देल जा सकैत अछि, एहि क तीन विकल्प पर चर्चा भेल । कैशबैक क अलावा एहि पर बात भेल जे डिजिटल माध्यम से भेल टर्नओवर क टैक्स क्रेडिट उद्योग सभकए देल जाय । ओहिना जेना कच्चा माल पर कर देला पर उद्योग सभकए टैक्स क्रेडिट देल जाएत अछि ।

कैशबैक पर राजस्व विभाग राजी अछि

सूत्रक कहनाय अछि जे राजस्व विभाग एहि बात पर राजी अछि जे डिजिटल लेन-देन क तय सीमा पूरा करयवला उद्योग सबकए कैशबैक देल जाए । विभागक माननाई अछि जे एकरा सही तरह से लागू सेहो कैल जा सकैत अछि आ एकर दुरूपयोग सेहो नहि कैल जा सकत ।

कर मे छूट पर सेहो भेल विचार

पीएमओ मे मीटिंगक दौरान एकटा आन विकल्प पर सेहो विचार कयल गेल । एहिक तहत डिजिटल लेन-देन क एक सीमा तक पहुंचय क बाद उद्योग सबकए जीएसटी मे सेहो छूट देबा पर विचार कैल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here