दुर्लभ मूर्ति क सुरक्षा लेल जिला पदाधिकारी गंभीर

पटना।  जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक झंझारपुर प्रखंड क संतनगर गाम मे खुदाई मे भेटल भगवान विष्णु क प्रतिमा क दर्शन कयल। प्रतिमाके प्राचीन आ सुंदर  कहैत परसर मे उपस्थित ग्रामीण आ जनप्रतिनिधि से विभिन्न जानकारी लेलाह। भगवान विष्णु क प्रतिमा भेटला क बाद मंदिर प्रांगण मे विष्णु महायज्ञ क आयोजन कयल गेल अछि। एकर समाप्ति पश्चात दुर्लभ मूर्ति क सुरक्षा क संबंध मे जिला पदाधिकारी गंभीर छलाह आ तेँ स्थानीय पुलिस के चौकीदार नियुक्त करबाक निदेश देल। मंदिर निर्माण क संबंध मे सेहो चर्चा भेल।

जिला पदाधिकारी बगल मे  अवस्थित हाई स्कूल के सेहो देख  गेलाह आ भवन के पूरा करबाक आश्वासन देल। .स्कूल मे शिक्षक क कमी, परिसर सँ 11 हजार वोल्ट क तार, स्वास्थ्य केन्द्र मे चिकित्सक क व्यवस्था आदि काज चरणबद्ध रूपेँ पूरा करबाक आश्वासन देल। एहि अवसर पर अनुमंडल पदाधिकारी श्री विमल कुमार मंडल , झंझारपुर, सी. ओ. झंझारपुर श्री श्याम किशोर यादव, जिला पार्षद किरण यादव,मुखिया सहित अनेक जन उपस्थित छलाह। ग्रामीण प्रदीप झा, शिवकुमार प्रसाद, रामचंद्र झा,धनिक चौधरी सब डी एम संग वार्तालाप मे मुख्य छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here