रेलवे पहुंचेलक तीनगोट सनेस

Darbhangaपटना । रेल मंत्रालय मंगलदिन तीन गोट सनेस एक संग पठेलक । रेलवे क इतिहास मे आजुक दिन एहि तीन गोट सनेस लेल याद कैल जायत। पहिल बेर मंगलदिन दरभंगा लेल डीएमयू सेवा शुरु भेल । समस्तीपुर स दरभंगा जखन डीएमयू पहुंचल त नगरीय सेवा क सपना दरभंगा मे पूरा भेल। उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा मे रेलवे 1884 मे पहुंचल छल। ओना तिरहुत रेलवे क स्थापना 1874 मे सोनपुर मे भेल छल। सोनपुर स पटना क बीच रेल मार्ग स्थापित करबा मे आबि रहल अडचन सेहो मंगल दिन खत्म भ गेल। हम सब एक जनवरी स एक बेर फेर पहलेजा स्टेशन क मजा लेब। दीघा -सोनपुर रेल रोड ब्रिज क एप्रोच रोड क जमीन पर सेहो फैसला पटना हाईकोर्ट द देलक अछि। रेल पुल निर्माण कार्य पूरा हेबाक बाट एहि स साफ भ गेल। राज्य सरकार क अपील पर कार्यवाहक मुख्य न्यायमूर्ति इकबाल अहमद अंसारी क खंडपीठ सुनवाई क फैसला सुरक्षित रखने छल, जे मंगलदिन सुना देलक। गौरतलब अछि जे रेलपुल क एप्रोच रोड लेल भूमि क विवाद स्थानीय लोक आ राज्य सरकार क बीच छल, कोर्ट जमीन क मालिक सरकार कए घोषित केलक अछि। ओना बुधदिन स रेलवे क स्टेशनक सूची मे एकटा नव नाम सेहो जुडि जायत। करीब सात बेर घोषणाक बावजूद पाटलिपुत्र स्टेशन स ट्रेनक आवाजाही शुरु नहि भ सकल, मुदा बुधदिन रेलवे क सूची मे पाटलिपुत्र एकटा नव स्टेशनक रूप में शामिल भ जायत। एहि ठाम स एखन दू गोट ट्रेन क परिचालन होएत। एक जनवरी स करीब आधा दर्जन ट्रेन क परिचालय एहि स्टेशन स करबाक घोषणा रेलवे केलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.