बिहारक 11 रेलखंड पर 773 किमी रेल लाइनक होएत विद्युतीकरण

जाहि रेलखंड सभक विद्युतीकरण कएल जाएत :-
*वारिसलीगंज-तिलैयामे 35 किमी
*मुजफ्फरपुर-पीपरा-चनपटियामे 144 किमी
*बिहारशरीफ-दनियावांमे 38 किमी
*फतुहा-इस्लामपुरमे 43 किमी
*आरा-विक्रमगंजमे 57 किमी
*समस्तीपुर-नयानगरमे 40 किमी
*गिरीडीह-दुरैतनगरमे 52 किमी
*रक्सौल-वैरगिनियामे 53 किमी
*मानसी-सहरसा-दउरा-मधेपुरामे 63 किमी
*किउल-पाटम-पिपेंटीमे 152 किमी
*गोरखपुर-कप्तानगंज-वाल्मीकिनगरमे 96 किमी 
रामबाबू
नयी दिल्‍ली ।  साल 2018-19 लेल संसदमें राखल गेल रेल बजटमे बिहारक लेल कएको उपहार देल गेल अछि। अहिमे दू गोट नव रेल लाइन,  दूटा रूट पर गेज परिवर्तन, दू रूट पर रेल लाइनक दोहरीकरण आओर एगारह रूट पर रेल लाइनक विद्युतीकरण सम्मिलित अछि। अहि सभ परियोजना केर पुर भेलासँ बिहारक रेल व्यवस्थामे व्यापक सुधार आओर आर्थिक समृद्धिमे सहायक सिद्ध होयत।
आम बजटमे रेलवे केर 1.48 लाख करोड़ रुपैया देल गेल। समान ढोआबमे गति अनबाक बचन देल गेल।बेसी ध्यान सुरक्षा आओर ट्रेक मेंटिनेंस पर कएल गेल।अहिसँ देशक सभटा नैरो गेज लाइनकें ब्रॉड गेजमे बदलल जाएत। 4267 असुरक्षित रेलवे क्रॉसिंगकें बंद कएल जाएत। ट्रेन सभमे सीसीटीवी कैमरा लगाओल जाएत। प्लेटफॉर्म पर सेहो एकर संख्या बढ़ाओल जाएत।
रेलवेकें ग्रॉस बजटरी सपोर्ट बढाक 3 लाख करोड़ रुपैया कएल गेल। बीमार आऔर वृद्ध लोकक ध्यानमे राखि सरकार 25000 लोकसँ बेसी आवागमन वाला प्लेटफार्म्स पर एस्केलेटर लगेबाक घोषणा कएलक।देशमे बुलेट ट्रेन आऔर हाईस्पीड रेल प्रोजेक्टकें ध्यानमे राखि युवा सभके प्रशिक्षण हेतु वड़ोदरामे रेलवे इंस्टीट्यूट शुरू कएल जाएत। ओतय तीन हजार छात्रके प्रवेश भेटत। अहि इंस्टीट्यूट केर आर्थिक मदति रेल मंत्रालय करत। केंद्रीय कैबिनेट सँ एकर मंजूरी पछिला साल दिसंबरमे भेट चुकल अछि।
*नव रेल बजटके मोताबिक आठ किमीमे निर्माण होमय वाला बथनाहा-नेपाल कस्टम यार्ड आऔर 25.8 किमीमे बनय वाला बिहारशरीफ-बड़बीघा रेलखंड पर नव रेल लाइन बिछाएल जाएत।
*जयनगर-जनकपुर-कुरथामे 34 किमी रेलखंड आऔर झंझारपुर-घोघरडीहामे 20 किमी रेलखंड पर गेजक परिवर्तन कएल जाएत।
*लखीसराय-करोटा-पटनेर-शेखपुरामे25.32 किमी आऔर मोहिनुद्दीननगर-बछवारामे 19.95 किमी रेलखंड केर दोहरीकरण कएल जाएत।
* संगहि 11 रेलखंड पर शेष 773 किमी रेल लाइनकें  विद्युतीकरण कएल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here