श्रीमती राबड़ी देवी रहतीह नेता प्रतिपक्ष

विनीत ठाकुर

पटना । सोम दिन सायं चारि बजे विधान परिषद् क एनेक्सी भवन मे नव निर्वाचित ११ विधान परिषद् सदस्य मे मंगल पाण्डेय क छोड़ि मुख्यमंत्री श्री नीतिश कुमार, उपमुख्यमंत्री श्री सुशील मोदी, पूर्व मुख्यमंत्री श्रीमती राबड़ीदेवी संगे दस सदस्य कए उपसभापति श्री हारून रशीद द्वारा पद आ गोपनीयता क शपथ दियाओल गेल ।

जदयू क नीतिश कुमार, रामेश्वर महतो,खालिद अनवर भाजपा सँ सुशील कुमार मोदी, मंगल पांडे आ संजय पासवान राजद सँ राबड़ीदेवी, रामचंद्र पूर्वे, सैयद खुर्शीद मोहासिन कांग्रेस सँ प्रेमचंद मिश्रा आ हम पार्टी सँ संतोष सुमन निर्वाचित भेलाह ।

श्रीमती राबड़ीदेवी नेता प्रतिपक्ष रहतीह

नबका सदस्यक शपथ लेबाक बाद 75 सदस्यों वाला उच्च सदन मे विभिन्न दल क संख्या प्रभावित हेतै । सत्ताधारी जदयू परिषद मे सबसँ पैघ पार्टी बनल रहत । जदयूक 32 आ भाजपाक सदस्य रहतै । 80 विधायक वाला राजद पार्टी परिषद मे तेसर स्थान रहतै । 9 सदस्य क बदौलत राबड़ी देवी कए नेता प्रतिपक्ष क दर्जा भेटत । कांग्रेस क अशोक चौधरी 4 सदस्यक संग दल बदलक कारण कांग्रेसक मात्र 2टा सदस्य रहि गेल छल । आब ओकरा तीन सदस्य भ जेतय।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here