पुनौराधामक जानकी मंदिरक विकास करबाक जिम्मा उठेलनि नीतीश, 48.53 करोड़ टाका भेल स्वीकृत

बिहार कैबिनेटक बैठक संपन्न भ गेल अछि। नीतीश सरकार एहि बैठक मे कुल 21 गोट एजेंडा पर अपन मोहर लगा देलक अछि। जानकारी अनुसार बैठक मे तय कयल गेल अछि जे कुल 48.53 करोड़ टाका सं सीतामढ़ी मे स्थित पुनौराधामक सौंदर्यीकरण कयल जायत। एतबा नहि सीएम नीतीश कुमार 24 अप्रैल के पुनौराधाम मे आयोजित जानकी नवमी समारोह में स्वयं उपस्थित भ ओहि ठाम जायजा लेता।
उल्लेखनीय अछि जे पुनौरा धाम मे भव्य सीता मंदिर बनेबा लेल आ जनकपुर तक सड़क निर्माण कयल जेबाक स्वीकृति भेट चुकल अछि। ओमहर 17 अप्रैल सं जानकी महोत्सव शुरू भ गेल अछि। एहि मे बिहारक राज्यपाल महामहिम सत्यपाल मलिक सेहो शामिल हेता। कहल जा रहल अछि सीता मंदिरक विकास रामायण सर्किट विस्तारक माध्यमे होयत।
याद दियाबैत चली जे  पछिला साल भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा सीतामढ़ी मे जानकी महोत्सवक दौरान पुनौरा धामक विकासक आश्वासन देने छलाह।  ओहि कार्यक्रमक अवसर पर ताहि समयक बिहारक राज्यपाल आ वर्तमान राष्ट्रपति महामहिम रामनाथ कोविंद व विख्यात धर्मगुरु रामभद्राचार्य सेहो उपस्थित छला।
कैबिनेट मे एहि सभ बात पर भेल विचार
– जमुई मे खूजत महिला डिग्री कॉलेज
– गृह विभाग मे खोलल जायत एकटा आर प्रशाखा
– 349 जूनियर इंजीनियर कें भेटत एक सालक सेवा विस्‍तार
– उर्दू अनुवादक संवर्ग नियमावली 2016 मंजूर
– उर्दू अनुवादक सभक लेल 1765 पदक होयत सृजन
– बिजली बिल पर सब्सिडी लेल 4137 करोड़ मंजूर
– भारतीय रिजर्व बैंक सं सोझे एनटीपीसी कें कयल जायत भुगतान
– बिहार अवर वन सेवा नियमावली 2018  मंजूर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here