उग्र भीड़ स पाँचटा युवकक जान बचेबा लेल जनप्रतिनिधि भेला सम्मानित

मुखिया घर मे नहि नुका रखितथि त चोरी क गलत आरोप मे पांचटा अल्पपसंख्यंक युवक कए मारबा लेल उतारू छल भीड
मधुबनी। जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक कहला अछि जे बिस्फी प्रखंड क नाहस उत्तर पंचायत मे सोम दिन संध्याकाल चोर क अफबाह मे किछु गोटे के पकड़ि मारि पीट आ बंधक बनेबाक रयास कैल जा रहल छल। सूचना भेटितहिं नाहस उत्तर पंचायत क वर्तमान मुखिया  गंगा नाथ झा, पूर्व मुखिया  रेणु देवी द्वारा आरोपित व्यक्ति सब के अपन घर मे नुका के जान बचाओल गेल। मुखिया तत्काल पतौना ओ पी के फोन फर घटना क जानकारी द के बजौलैन। पुलिस सब के थाना अनलक। संदिग्ध सबहक पहचान जयनगर प्रखंड क देवधा थाना क्षेत्र कदेवधा मध्य गाँव क निवासी रूपेँ भेल। ई लोकनि दिल्ली से अबय बाला मो़ शाहिद के तकबा लेल नाहस आयल छला। मो़ शाहिद विक्षिप्त छथि आ तेँ दिल्ली से ऐबा काल सकरी मे बस से उतरि हराइत भोतिऐत नाहस पहुँच गेला। शाहिद क संदिग्ध गतिविधि से लोक सब हुनका चोर बूझि पिटाइ क देलक।
ओकर बाद शाहिद के तकैत मो ईरसाद, मो जिलानी संदिग्ध के पकड़ेबाक सूचना पर नाहस पहुँचला। ग्रामीण हिनका सब के गिरोह क सदस्य बूझि बंधक बना मारि पीट करय लागल।
सूचना भेटते नाहस उत्तर क मुखिया आ श्री इंद्रदेव लाल कर्ण, पूर्व सरपंच सिमरी, हुनका सब के अपन घर मे नूका रखलैथ आ पुलीस के सूचित कयलैथ। आक्रोशित भीड़ क सामना करैत पुलिस के ई जनप्रतिनिधि सब सूजबूझ आ साहस क संग सहयोग कैल जाहि सँ  कोनो तरहक अप्रिय घटना नहि भेल।
प्रेस सम्मेलन क पश्चात जिला पदाधिकारी आ पुलीस अधीक्षक  दुनू जनप्रतिनिधि के सराहनीय काज क लेल माला, पाग आ प्रशस्ति पत्र से सम्मानित कयल गेल।. मुखिया श्री झा आपदा प्रबंधन विभाग क मास्टर ट्रेनर सेहो छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments