30 जुन स पहिने बाढ़-सुखाड़ सँ लड़बाक करू तैयारी : नितीश

किसान कए बढ़ल रेट पर भेटय डीजल सब्सिडी

मणिभूषण झा
पटना । मुख्यमंत्री नितीश कुमार जिला प्रभारी सचिव आ प्रधान सचिव सबकए निर्देश देलथि जे ओ सबगोटे एक सप्ताह बाद अपन-अपन जिला में जाऊ आ गारंटी देथु जे 30 जून स पहिने बाढ़ि आ सूखा सँ लड़य क पूरा तैयारी भए चुकल अछि । एहन इंतजाम हेबाक चाही जे बाढ़ि प्रभावित सबकए 24 घंटा मे पूरा राहत भेटि जाए । डीजल क दाम बढ़ल अछि एहि लेल किसान सबकए बढ़ल रेट पर डीजल सब्सिडी देल जाए । एहि लेल कृषि विभाग तत्काल कार्रवाई करय । मुख्यमंत्री, बुधदिन एतय उच्चस्तरीय बैसार मे बाढ़ आ सूखा क पहिने तैयारी सबहक समीक्षा करैत छलाह । विडिओ कन्फ्रेंसिंग सँ डीएम सबसँ बात केलथि आ उचित निर्देश देलथि । संगहि वित्त विभाग कए आपदा कोष मे राशि मुहैया करेबाक लेल सेहो कहलथि ।

हर हालत मे आकस्मिक फसल योजनाक लाभ लोक तक पहुँचय, कोनो सूरत मे एक्सपायरी दवाई नहिं बाँटल जाय

आपदा प्रबंधन क प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत आ आन दोसर विभाग सब सेहो बाढ़ि आ सूखा सँ पूर्व तैयारीक जानकारी देलनि । सीएम कहलथि – सुखाड़ होबय पर हर हालत मे आकस्मिक फसल योजनाक लाभ लोक तक पहुँचबाक चाही । योजना में जाहि फसल कए शामिल करबाक अछि ओकर आंकलन हेबाक चाही । डीएम पशुचारा, सूखा राशन आ दवाई क पूरा तैयारी राखथि । कोनो हालत मे एक्सपायरी दवाई नहिं बाँटल जाय, एहि लेल सावधानी रखबाक निर्देश सेहो देल ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments