साल 2017 क प्रबोध साहित्य सम्मान गंगेश गुंजन कए

gangesh-gunjan-jiपटना । मैथि‍ली साहित्‍य क सर्वोच्‍च साहित्‍य पुरस्‍कार प्रबोध साहित्‍य सम्‍मान 2017 क लेल एहि बेर मैथि‍ली आ हिंदी क वरिष्‍ठ साहित्‍यकार श्री गंगेश गुजन चयनित भेल छलाह । मैथि‍ली साहित्‍य मे अनुपम योगदान लेल हुनका ई पुरस्‍कार देल जाएत ।

प्रबोध साहित्‍य सम्‍मान स्‍वस्‍त‍ि फाउंडेशन दिस स हरेक साल मैथि‍ली साहित्‍य में योगदान लेल देल जाएत अछि । मैथि‍ली भाषा क अग्रणी साहित्‍यकार स्‍व० प्रबोध नारायण सिंह क स्‍मृति मे स्‍वस्‍त‍ि फाउंडेशन दिस स हरेक साल ई पुरस्‍कार दैल जाएत अछि । जाहि मे एक लाख टकाक नगद पुरस्‍कार आ प्रशस्‍ति‍पत्र प्रदान कैल जाएत अछि । साल 2017 लेल एहि बेर मधुबनी जिलाक पिलखवाड़ निवासी श्री गंगेश गुजेन क नाम क चयन भेल छल । फाउंडेशन क निर्णायक मंडली क अध्‍यक्ष प्रो. उदय नारायण सिंह नचिकेता क अध्‍यक्षता मे भेल एकटा बैठक मे ई फैसला लेल गेल ।

ज्ञात होए जे श्री गंगेश गुंजन कए एहि स पहिने हुनकर कथा संग्रह ‘’उचित वक्‍ता’’ लेल साहित्‍य अकादमी सेहो पुरस्‍कृत कए चुकल छथि‍ ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments