डाक सेवक सबकए भेटत 25 प्रतिशत मुनाफा

मणिभूषण राजू

नई दिल्ली । सरकार डाक विभाग के पूर्ण स्वामित्व वला इंडिया पोस्ट पेमेंट्स बैंक (आईपीपीबी) के मुनाफा के 25 प्रतिशत भाग ग्रामीण डाक सेवक सबके कमीशन के रुप में देबाक फैसला लेलक अछि।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम में एक सितंबर के एकटा कार्यक्रम में आईपीपीबी के औपचारिक शुरुआत करताह। ओहि दिन देशभरि में एकर 650 शाखा आ 3250 डाकघर में सेवाकेन्द्र के प्रारंभ कयल जायत।
साल के अंत तक देश के 1.55 लाख डाकघर में ई सेवा शुरू भय जायत। संचार मंत्री मनोज सिन्हा मंगल दिन कहलथि कि आईपीपीबी के जतेक मुनाफा होयत ओकर 25% ग्रामीण डाकसेवक सबकें कमीशन के रुप में देल जायत। ओ कहलथि कि मोदीजी के अध्यक्षता में केन्द्रीय मंत्रिमंडल के बुधदिन बैसार में ग्रामीण डाकसेवक के सीधे कमीशन देबय के मंजूरी देलथि। एहि फैसला सँ हुनका तत्काल कमीशन देनाई संभव भय सकत जे हुनक सबके प्रोत्साहन के लेल बेहतर होयत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments