गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

Pipa Pul Patnaपटना । राजधानी पटना जाए वला मिथिला वासी कए आब गांधी सेतु पर जामक सामना नहि करए पड़त । प्रशासन द्वारा पीपा पुल पर परिचालन आरम्भ क देल गेल अछि । एहि कारण गांधी सेतु पर जामक लोड कम हेबाक उम्मीद अछि । रिकॉर्ड समय से कम समय मे बनल एहि पुल क निर्माण स मिथिला क मगध जेबा मे आब आसानी होएत ।

दोसर दिस मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह केंद्र सरकार कए आश्वस्त केलक अछि जे बिहार सरकार एक सप्ताहक भीतर गांधी सेतुक वैकल्पिक ट्रैफिक रूट तैयार क लेत । संगहि पश्चिमी लेन कए तोड़बाक कार्रवाई शुरू करबाक समय सीमा सेहो बता देत । कहल जा रहल अछि जे एहि सात दिनक अंदर पश्चिमी लेन कए बंद क एहि स होबए वला परेशानी आ समाधानक पहचान कयल जायत।

उल्लेखनीय अछि जे उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव शुक्रदिन पीपा पुलक विधिवत उद्घाटन केलथि । एहि अवसर पर ओ कहलथि जे जनता कए कोनो कष्ट नहि होए एहि लेल विशेष ध्यान राखल जा रहल अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments