मेट्रो, क संग चलत मोनो आ स्काई ट्रान

तीनो क रूट तय

स्काई ट्रेन – फतूहा, पुनपुन, मसौढ़ी, बिहटा, मनेर, नोबतपुर, दानापुर, खगौल, दनियावां, खुसरूपुर, फुलवारीशरीफ आ संपतचक ।

मेट्रो – सगुना, हाईकोर्ट, पटना जंक्शन, गांधी मैदान, एनआईटी, राजेन्द्र नगर, एनएमसीएच, बस स्टैन्ड ।

मोनो – एम्स, फुलवारी, कंकड़बाघ, एग्जीविशन रोड, म्युजियम, बोरिंग रोड, पाटलिपुत्र, दीघा ।

पटना । पटना क चेहरा आब बदलि जाएत । जों सब किछु ठीक रहत त पटना देशक महानगर संग किछुए दिन मे कदमताल करय लागत । पूर्वी भारत मे कोलकाता क बाद सबसे पैघ व्यवसायिके केन्द्र टा नहि पटना भारत क सबसे तेज गति स बढ़य बला मेट्रोपोलिटन शहर सेहो अछि । शहर मे जनसंख्या क दवाब तेजी स बढ़ि‍ रहल अछि जेकर असर एतौका यातायात पर सेहो देखा रहल अछि । मुदा आब पटना क चेहरा बदलत । एतय आब पीपीपी मोड पर मेट्रो, मोनो आओर स्काई ट्रान चलेबा क तैयारी अछि । नगर विकास विभाग एहि लेल मुख्यमंत्री क प्रस्ताव पठेने अछि । विभागक मनबाक अछि जे पटना क भौगोलिक स्थ‍िति‍ क मोताबिक एतय मेट्रो, मोनो आ स्काई ट्रेन तीनेा क परिचालन संभव अछि ।

नगर विकास मंत्री सम्राट चौधरी बतेलथि‍ कि जाहि चीज क सफर पटनावासी लेल आरामदायक होएत, ओकर रूट मे आरो विस्तार करल जाएत । तीनू क रूट तय भए गेल अछि । स्काई ट्रान ग्रेटर पटना क्षेत्र मे चलत । प्री बीड मीटिंग क बाद इच्छुक कंपनी क मोनो, मेट्रो आ स्काई ट्रान चलेबाक जिम्मेवारी सौंपल जाएत ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.