छह साल मे तैयार भ जाएत पटना मेट्रो

पटना। बिहार सरकार अगिला छह साल मे पटना कए मेट्रो सुविधा प्रदान क देत। वर्ष 2021 तक पटना मे मेट्रो दौडेबाक लक्ष्य सरकार तय क लेलक अछि। 28 किलोमीटर क पहिल चरण क काज अगिला साल शुरु भ जाएत। योजनाक अनुसार पहिल चरण मे 12टा स्टेशन बनाउल जाएत आ हर पांचम मिनट पर लोक कए मेट्रो क सुविधा उपलब्धत होएत।

नगर विकास विभाग स भेटल जानकारी क अनुसार पटना मे मेट्रो 15 किलोमीटर भूमिगत, 12 किलोमीटर एलिवेटेड आओर लगभग आधा किलोमीटर जमीन पर दौड़त। मेट्रो लेल 90 मेगावाट बिजली क जरूरत होएत। एकरा लेल आईएसबीटी, दानापुर आ मीठापुर मे पावर सब स्टेशन बनेबाक तैयारी शुरु भ गेल अछि। हालांकि शुरू मे 20 स 25 मेगावाट बिजली क जरूरत होएत। मीठापुर आ आईएसबीटी मे कोच
मेंटेनेंस डिपो सेहो बनेबाक योजना अछि। उल्लेेखनीय अछि जे पहिल चरण मे रूट वन क तहत मेट्रो मार्ग में दीघा, दीघा घाट आईटीआई, न्यू पाटलिपुत्रा कालोनी, शिवपुरी, डाकबंगला, आकाशवाणी, कारगिल चौक, पीएमसीएच, पटना विश्वविद्यालय, प्रेमचंद रंगशाला, दिनकर चौक, एनएमसीएच, कुम्हरार पार्क, गायघाट (महात्मा गांधी सेतु), जीरो माइल आओर न्यू आईएसबीटी पर स्टेसशन बनत। तहिना रूट टू पर दानापुर कैंट, शताब्दी स्मारक (सगुना मोड़), आरपीएस मोड़, आईएएस कालोनी, रूकनपुरा, राजा बाजार, जेडी वीमेंस कालेज, राजभवन,
सचिवालय, हाईकोर्ट, इनकम टैक्स गोलंबर, पटना जंक्शन, चाणक्य ला यूनिवर्सिटी आओर मीठापुर बाइपास चौक पर स्टेशन होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments