धरोहरक कीमत पर नहि बनत मेट्रो : नीतीश

पटना । पटना क ऐतिहासिक धरोहर क सुरक्षा क प्रति अपनी प्रतिबद्धता जाहिर करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे शहर मे मेट्रो रेल परियोजना लेल कोनो स्तर पर ऐतिहासिक धरोहर क सुरक्षा स समझौता नहि कैल जा सकैत अछि।

उत्तरप्रदेश क सीमा पर जमानियां मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे राज्य क ऐतिहासिक धरोहर कए हर कीमत पर बना कए रखबाक संकल्प लैत नीतीश कहला जे अशोक क स्तंभ आ शिलालेख एकटा साजिश क तहत नष्ट कैल गेल, मुदा आब कोनो कीमत पर मेट्रो रेल परियोजना लेल पुरातत्व संग समझौता नहीं कैल जायत। नीतीश कहला जे ओ पटना मे ता धरि मेट्रो रेल परियोजना कए मूर्त रूप नहि देताह जा धरि एहन कोनो तकनीक सामने नहि आबि जाइत अछि जे इ पुख्ता दावा करै जे जमीन क भीतर पटरी बिछेबा लेल जे खुदाई होयत ता हि स पटना क ऐतिहासिक संपदा कए कोनो खतरा नहि होएत।

ओ कहला जे विकास जरुरी अछि, मुदा ताहि स कनिको कम जरुरी इ नहि अछि जे हम अपन ऐतिहासिक धरोहर कए अक्षुण्ण राखी। नीतीश कहला जे सम्राट अशोक क विचार कए आत्मसात करबाक जरूरत अछि। बिहार मे आब अशोक जयंती पर अवकाश सेहो घोषित भ चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments