चित्रकार गोदावरी दत्‍ता कए पद्मश्री

0
272

मिथिला चित्रकला लेल महासुंदरी, सीता आ बौआ कए पहिने भेट चुकल अछि पद्म पुरस्‍कार
पटना । मिथिला चित्रकलाक प्रसिद्ध कलाकार गोदावरी दत्‍ता कए पद्मश्री स सम्‍मानित करबाक घोषणा कैल गेल अछि। मिथिला चित्रकला लेल महासुंदरी, सीता आ बौआ कए पद्म पुरस्‍कार पहिने भेट चुकल अछि, इ एहि विधा लेल चारिम कलाकार छथि जिनका केंद्र सरकार स इ नागरिक सम्‍मान प्राप्‍त भेल अछि। उल्‍लेखनीय अछि जे कला कारोबारी राकेश झाक नेतृत्‍व में क्राफ्टवाला नामक संस्‍था हिनका पद्म पुरस्‍कार दियेबा लेल मुहिम चलेने छल। मिथिला चित्रकला क सिद्धस्त कलाकार 87 वर्षीय शिल्पगुरु गोदावरी दत्ता क जन्म 7 नवंबर 1930 कए दरभंगा जिला क बहादुरपुर मे भेल। गोदावरी दत्ता कए मिथिला चित्रकला क कचनी ( लाईन ) शैली का सिद्धस्त
कलाकार आ गंगा देवी शैली कए उत्तराधिकारी मानल जाइत अछि। चित्रकलाक आरंभिक प्रशिक्षण अपन मां स भेटल। विवाह क बाद अपन सासुर रांटी मे इ अपन कला साधना जारी रखलथि। बिहार सरकार स पुरस्कृत आ कला क सर्वश्रेष्ठ पुरस्कार शिल्प गुरु स सम्मानित गोदावरी
दत्ता कए पद्मश्री अवार्ड भेटला स समस्‍त मिथिला मे खुशीक लहर अछि। दरभंगा क विधायक संजय सरावगी शिल्‍पगुरु गोदावरी दत्‍ता कए बधाई दैत कहला अछि जे इ मात्र मिथिला क नहि बल्कि समस्त बिहार लेल गर्व क
विषय अछि। दरभंगाक बेटी आ मधुबनीक पुतहू कए बधाई देबा लेल सामाजिक आ राजनीतिक व्‍यक्ति सबहक कतार लागल अछि।

Comments

comments