धंधेबाज क कारण हारल राजग : जॉर्ज

जार्ज अपन दल क बिहार मे जबर्दस्त सफलता पर जदयू अध्यक्ष शरद यादव आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स अनबन क कारण उत्साहित हेबा लेल तैयार नहि छथि। एतबा धरि जे जार्ज अपन सरकार क पीठो थपथपेबा लेल तैयार नहि छथि। जार्ज कहैत छथि -‘हमरा किछु नहि कहबाक अछि।Ó बिहार मे नीतीश कुमार क नेतृत्व वाला सरकार क कामकाज पर ओ कहैत छथि- हमरा लग लोक अबैत अछि आओर कहैत अछि जे ओकर काज नहि भ रहल छैक। एहि दिशा मे सरकार कए काज करबाक चाही, से दिखाबा मे नहि आबि रहल अछि।

नई दिल्ली। लोकसभा चुनाव मे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन क हारि बकवासबाज आ धंधेबाज क कारण भेल। इ आकलन ककरो आओरक नहि स्वयं राजग क संयोजक जार्ज फर्नाडिस क छी। जार्ज क कहब अछि- ‘जे लोक एनय-ओनय चिलपिल करैत रहैत छथि आओर राजनीति कए धंधा बना लेने छथि ओकरे कारण राजग क हारि भेल आ यूपीए आगू निकलि गेल। देश क वरिष्ठ नेता मे शुमार जार्ज एहि गन स सहमत छथि जे राजग क पराजय मे भाजपा क नकारात्मक प्रचार, मनमोहन सिंह पर व्यक्तिगत आक्षेप आ वरुण गांधी प्रकरण क विशेष योगदान रहल। एहि संबंध मे हुनकर कहब छल जे एहन नहि हेबाक चाही। जार्ज फर्नाडिस जदयू स बगावत करि कए मुजफ्फरपुर स लोकसभा चुनाव लड़लाह आ जमानत तक गवां बैसलाह। एकरा ओ अपन आकलन क गलती मानैत छथि। ओतहि अपन दल क बिहार मे जबर्दस्त सफलता पर जदयू अध्यक्ष शरद यादव आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स अनबन क कारण उत्साहित हेबा लेल तैयार नहि छथि। बिहार क 40 मे स 20 सीट पर जदयू आ 12 पर भाजपा जीतल अछि। एहि जीत पर जार्ज कहैत छथि -‘हमरा किछु नहि कहबाक अछि।Ó एतबा धरि जे जार्ज अपन सरकार क पीठो थपथपेबा लेल तैयार नहि छथि। बिहार मे नीतीश कुमार क नेतृत्व वाला सरकार क कामकाज पर ओ कहैत छथि- हमरा लग लोक अबैत अछि आओर कहैत अछि जे ओकर काज नहि भ रहल छैक। एहि दिशा मे सरकार कए काज करबाक चाही, से दिखाबा मे नहि आबि रहल अछि। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ शरद यादव जॉर्ज फर्नाडिस कए हुनकर बैस आ सेहत कए देखैत लोकसभा चुनाव लड़बा स मना करैत रहथिन आ राज्यसभा सदस्य बनबाक पेशकश केने रहथिन। मुदा जार्ज नहि मानलाह। एहि संदर्भ क बारे मे फर्नाडिस कहला जे राज्यसभा मे कहियो नहि जाइब। मरैत दम तक नहि जाइब। जार्ज अपन इ दावा करैत-करैत हांफय लगलाह। आब ओ धाराप्रवाह नहि बाजि सकैत छथि, ताहि चुप भ गेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments