बिहार चाहैत अछि जीएसटी जेना हो एक राष्ट्र-एक टैरिफ

सूदर्शन कुमार
जयपुर । एक राष्ट्र एक कर क बाद बिहार आब एक राष्ट्र एक टैरिफ लागू करबाक मांग क रहल अछि। बिहार कए उपमुख्यमत्री सह वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे 2018 क बजट मे सब राज्य लेल बिजलीक दाम एक समान करबाक प्रस्ताव आनल जाये। सरकार एहि पर विचार करए। केंद्रीय वित्त मंत्री अरुण जेटली सेहो सब राज्य मे एक तरहक बिजली खरीद शुल्क करबा क समर्थक छथि। उल्लेखनीय अछि जे एक राष्ट्र-एक टैरिफ स बिहार जेहन राज्य कए फायदा होएत। बिहार आइ बिजली लेल एनटीपीसी आ राष्ट्रीय हाइड्रोइलेक्ट्रिक पॉवर करपोरेशन (एनएचपीसी) पर मुख्य रूप स निर्भर अछि।
एकटा वरिष्ट अधिकारी कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पिछला साल 13 अगस्त कए रेल किराया क तर्ज पर एक समान टैरिफ  लागू करबा पर जोर देने रहथि। बिहार आगामी बजट मे एहि तरहक प्रस्तावक उम्मीद करैत अछि संगहि मनरेगा जेहन केंद्र प्रयोजित योजना लेल बजट आबंटन मे बृद्धि, केंद्रांश क पूर्ण आबंटन क उम्मीद सेहो लगौने अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments