आब सब सरकारी स्कूल मे बच्चा सबलेल होयत लाइब्रेरी

मणिभूषण राजू
पटना । केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जावड़ेकर शुक्रदिन कहलथि कि देश के 11 लाख सरकारी विद्यालय सबमें पढ़यवला बच्चा सबलेल लाइब्रेरी आ खेल के साधन उपलब्ध कराओल जायत। शुक्रदिन ओ सब राज्य के साथे विडिओ कन्फ्रेंसिंग के माध्यम सँ शिक्षाक उन्नयन के लेल विचार विमर्श कयलथि। बिहार के तरफ सँ वीसी में शिक्षा विभागक प्रधान सचिव आरके महाजन अपर सचिव मनोज कुमार आ जनशिक्षा निदेशक विनोदानंद झा शामिल भेलाह।
केन्द्रीय शिक्षा मंत्री श्री जावड़ेकर राज्य के कहलथि कि सर्व शिक्षा अभियान आब समग्र शिक्षा अभियान भय गेल अछि। ओ समग्र शिक्षा अभियान के प्राथमिकता के पाँच विन्दु पर राज्य सबके अहम निर्देश देलथि। कहलथि कि सब सरकारी स्कूल में आब लाइब्रेरी के व्यवस्था कयल जायत। एहि लेल छात्र संख्या के मुताबिक 5 सँ लय क 20 हजार टका देल जायत। स्कूल सबमें खेलकूद गतिविधि सबकें बढ़ावा देबयलेल जोर देल जायत। खेल सामग्री सबके खरीद के लेल सेहो केन्द्र के तरफ सँ स्कूल के 5 सँ 20 हजार तक देल जायत।
श्री जावडेकर कहलथि कि स्कूल सबके नियमित अपग्रेडेशन के काज चालू रहय के चाही। बिहार के प्रधान शिक्षा सचिव कहलथि कि एतय पछिला कतेक साल सँ नियमित अपग्रेडेशन चलि रहल अछि। संसाधन तथा शिक्षक के व्यवस्था सेहो कयल जा रहल अछि। केन्द्रीय मंत्री राज्य सबके निर्देश देलथि कि वे अपने राज्य शैक्षिक शोध एवं प्रशिक्षण संस्थान (एससीईआरटी) आ कस्तूरबा गाँधी विद्यालय सबकें मजबूत कयल जाए। कस्तूरबा गाँधी विद्यालय में 200 छात्रा के रहिकय पढ़य के समुचित व्यवस्था होबाक चाही। आ एससीईआरटी के माध्यम सँ शिक्षक सबकें उन्नयन आ प्रशिक्षण के कार्यक्रम नियमित चलय। एहि सँ शिक्षाक गुणवत्ता में सुधार होयत।
गाँधीजी के विचार के प्रसार में बिहार के काज शानदार
केन्द्रीय मंत्री महात्मा गाँधी के शताब्दी वर्ष पर गाँधी के विचार के प्रचार-प्रसार ल कए कयल गेल काजक प्रशंसा कयलथि। ओ कहलथि कि ‘एक था मोहन’ आ ‘बापू की पाति’ के डेढ़ करोड प्रति के वितरण शानदार काज अछि। गाँधी के विचार पर केन्द्रित क्विज के आयोजन के सलाह सेहो देलथि। एहि पर आरके महाजन कहलथि कि बिहार में 2000 प्रश्न के बैंक तैयार कयल गेल अछि आ क्विज प्रतियोगिता कराओल गेल अछि। जावड़ेकर जी सलाह देलथि कि गाँधीजी के विचारधारा के प्रचार लेल आन राज्य चाहथि तँ बिहार के सहयोग लय सकैत छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here