पटना-मुजफ्फरपुर फोर लेनिंग सड़कक निर्माण मे बाधे बाधा

पटना। कखनो बीओटी टाल, त कखनो एन्यूटि आ फेर पीपीपी। एहि तरह क तमाम कोशिश क बाद जखन एनएचडीपी फेज-3 क तहत पटना-मुजफ्फरपुर सड़क क फोरलेनिंग क मामला काफी दिनक बाद रास्ता पर आयल त चुनाव क एलान एकरा पर एक बेर फेर ब्रेक लगा देलक। आब नव सरकार क गठन क बाद एहि पर कोनो निर्णय होइत। चुनाव क एलान क पूर्व अगर कैबिनेट क एकटा आओर बैठक होइते त पटना-मुजफ्फरपुर क फोरलेनिंग कए सीसीए क मंजूरी भेट जेबाक संभावना छल। आब एहि मामला कए अगला बैठक मे एबाक संभावना अछि। उल्लेखनीय अछि जे नव सरकार बनलाक बाद अगर एकरा प्राथमिकता नहि भेटल आ बरसात क करीब एहि योजना कए मंजूरी भेटल त एकर लटकबाक आशंका प्रबल अछि। किया कि जूनक बाद बिहार मे सड़क निर्माण क काज मे रोक लागि जाइत अछि। एहि लेल आब इ लगभग तय भ गेल अछि जे इ सड़क पर काज 2010 स पहिने संभव नहि भ सकत।
627 करोड़ क एहि परियोजना कए योजना आयोग क पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप एप्रेजल कमेटी क मंजूरी भेट चुकल अछि। एकरा बाद एकरा कैबिनेट क सीसीए स मंजूरी भेटबाक बाकी अछि। ओहि ठाम से मंजूरी भेटलाक बाद इ सड़क क निर्माण क प्रक्रिया शुरू होइत। इ सड़क क निर्माण कए लेल एनएचएआई निविदा सेहो आमंत्रित करि देने अछि। कई ख्यातिलब्ध निर्माण कंपनी जेना ओरिएंटल इंफ्रास्ट्रक्टचर, गैमन इंफ्रास्ट्रक्चर, केएमसी आ सीएंडसी एहि सड़क मे अपन दिलचस्पी दखौने अछि। एहि लेल एनएचआई सेहो काफी दिन स अटकल एहि प्रोजेक्ट कए ल कए उत्साहित अछि। पर मामला सुलझबाक करीब पहुंचकए अटकि जाइत अछि। एहि सड़क क एलायनमेंट क तहत इ प्रावधान अछि जे महात्मा गांधी सेतु क बाद स एकर फोरलेनिंग कैल जाइत किया कि गांधी सेतु एहि प्रोजेक्ट मे शामिल नहि अछि। एहि प्रोजेक्ट मे पैघ स्तर पर जमीन अधिग्रहण क मामला सेहो फंसत। ओना एनएचएआई संबंधित जिलाधिकारी स एहि बारे मे गप केलक अछि । एखन इ सड़क मात्र पांच मीटर क अछि,जे दो लेन क मानक क अनुरूपो नहि अछि आ योजना फोर लेन क अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

Comments are closed.