नीतीश कुमार दिस आशाक संग टुक टुक ताकि रहल छथि अनशनकारी

मात्र सड़क आ पुल लेल पिछला कैक दिन स बैसल छथि अनशनकारी
नहिए सरकार नहिए प्रशासन सुनि रहल अछि फरियाद

Anshankariसहरसा । एकरा विडम्बना नहि कहल जाए तं की कहल जाए। एक दिस जतए सम्पूर्ण बिहार सीएम नीतीश कुमारक नेतृत्व मे विकासक बाट पर चलि रहल अछि ओतहि किछु लोक कए एकटा पुल लेल अनशन करए परि रहल छनि । सुनबा मे कनी खराब जरूर लागत, मुदा ई सोलह आना सच अछि । जानकारी अनुसार मिथिलाक खगड़िया जिलाक फरकिया गामक लगभग पचास महिला पुरूष पुल बनेबाक मांग कए ल क अनशन क रहला अछि । एहि सं पहने पचास हजार गोटे एक दिवसीय अनशन केने छला । कहल जा रहल अछि जे प्रशासनक दिस सं एखन कोनो ध्यान एहि दिस नहि देल गेल अछि । ओतहि अनशन पर बैसल बेसी गोटेक स्थिति खराब भ रहल छनि । हुनका लोकनि कए स्थानीय लोकक मदति सं पानि चढाओल जा रहल अछि । हिनका लोकिनक कहब छनि जे एखनो 21म सदी मे सेहो एम्हर रहि रहल लोकक जीवन नरक बनल अछि ।

एतबा नहि ई स्थिति सिमरी बख्तियापुर अनुमंडलक सिमरी बख्तियारपुर आ सलखुआ प्रखंडक पूर्वी कोसी तटबंधक पेट मे बसल दर्जन भरि गामक सेहो अछि । जनाकारी अनुसार सलखुआ प्रखंडक चारि गोट पंचायत कबीरा, चानन, अलानी एवं साम्हरखुर्द आ सिमरी बख्तियारपुर प्रखंडक चारि पंचायत धनुपरा, कठडूम्मर, घोघसम एवं बेलवाड़ा पंचायतक दर्जन भरि गामक लाखक लाख अबादी सरकारक विकासक पोल खोलि रहल अछि । एहि क्षेत्रक लोक लेल धार पार करबा लेल नावे टा साधन अछि। एहि कारण पुल आ पक्किया सड़कक मांग कयल जा रहल अछि । स्थानीय लोकक अनुसार एहि कारणे ओ लोकिन धिया पुता कए नीक शिक्षा तक नहि उपलब्ध करा पाबि रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें