बेटीक सफलता स गदगद निधिक पिता बांटि देलथि दुकानक सबटा मिठाई

पटना । बिहार बोर्ड क इंटर परीक्षा क परिणाम बुध दिन घोषित कयल गेल । साइंस, कला आ वाणिज्य तीनू संकाय मे बेटी सब अपन गौरवगाथा लिखलक। खास रहल जे तीन मे दूटा टॉपर मिथिलाक धीया छथि। पहिल वाई के जे एम कालेज, शिवहर क कल्पना कुमारी आ दोसर आर डी एस कालेज, मुजफ्फरक निधि सिन्हा। तेसर टॉपर चंपारण क बेटी गोपालगंज निवसी, सिमुलतला आवासीय विद्यालय क छात्रा कुसुम कुमारी रहली।
परिणाम घोषणा क बाद से स्टेट कामर्स टॉपर निधि सिन्हा क घर मे प्रसन्नता व्याप्त अछि। हिनक 500 मे 438 अंक (86.8 ) प्राप्त भेलैन अछि। अति साधारण परिवारक बेटी निधि हिंदी मे 82, अंगरेजी मे 81 विजनेस स्टडीज मे 88 आ इकोनोमिक्स मे 91 अंक प्राप्त कयल अछि।
निधि क पिता मिठाईक दोकान करैत छथि। माई  गृहणी छथिन । तीन भाई बहिन मे दोसर निधि क सफलता सिमित संसाधन मे बेहतर परिणाम कए देखबैत अछि। अपन बेटीक सफलताक समाद सुनि पिताक आंखि डबडबा गेल। मिठाई दुकान क मालिक पिता लेल एहि स पैघ उदगार तत्काल की भ सकैत छल जे कारीगर कए कहलथि जे आइ मिठाई बेचब नहि केवल बांटब।  खबरि जेना जेना पसरल तेना तेना बाजार मोहल्लाक लोक सब जुटि गेल, सुबहक मुंह मे मिठाई द पिता बधाई स्वीकार केलथि।
ध्यातव्य अछि जे एहि बे परीक्षा मे लगभग 52.95 प्रतिशत छात्र उतीर्ण भेला अछि । साइंस मे 44.5 कला मे 61 आवाणिज्य मे 91.32 प्रतिशत छात्र छात्रा उतीर्ण भेलैथ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments