अगिला साल फरवरी मे बाल्मिकीनगर मे बैसत नीतीश कैबिनेट

समदिया
पटना । अगिला साल फरवरी मे नीतीश कुमार अपन अगिला यात्राक शुभारंभ फेर चंपारण स क सकैत छथि। एतबे नहि एहि यात्राक क्रम मे नीतीश कैबिनेटक बैसार सेहो बाल्मिकीनगर मे भ सकैत अछि। अपन पश्चिमी चंपारण क प्रवास क दौरान नीतीश कुमार किछु ए हि प्रकारक समाद इशारा मे देलथि अछि। ओना वाल्मीकि नगर आयल नीतीश रिजर्व फॉरेस्ट मे इको टूरिज्म कए बढ़ावा दबा लेल नीतीश कुमार कईटा योजना क सनेस देलथि। कईटा पर्यटन सुविधा क शुभारंभ केलथि। नीतीश कुमार कहला जे सरकार राज्‍य मे पर्यटन कए बढावा देबा लेल प्रयासरत अछि। नीतीश कहला जे बाल्मिकीनगर मे प्रतिवर्ष एक लाख पर्यटक कए अनबाक लक्ष्‍य राखल गेल अछि। एकर संगहि ओ कहला जे बाल्मिकीनगर मे संस्‍थागत गतिविधि बढेबा लेल एहि ठाम नालंदा जेका एकटा कन्‍वेशन सेंटर क निर्माण कराउल जायत। बाल्मिकीनगर प्रवासक दौरान नीतीश गजराज स आशिर्वाद ललथि आ लक्ष्‍मण झूलाक सेहो आनंद लेलथि। परिभ्रमण क क्रम मे ओ कौलेश्वर मंदिर मे दर्शन कलथि आ गंडक क कछैर मे भर रहल कटाव कए रोकबा लेल कैल जा रहल उपाय क निरीक्षण केलथि।
एहि अवसर पर सांसद सतीश चंद्र दुबे, विधायक श्रीमती भागीरथी देवी, विधायक रिंकु सिंह, अन्य जनप्रतिनिधिगण, मुख्यमंत्री क परामर्शी अंजनी कुमार सिंह, मुख्यमंत्री के प्रधान सचिव चंचल कुमार, प्रधान मुख्य वन संरक्षक डीके शुक्ला सहित अन्य वरीय पदाधिकारीगण, थारु आ उरांव जनजाति क कलाकार सहित गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here