सीतामढी स जनकपुर लेल बनत नव सडक, पर्यटक कए होएत सुविधा

समदिया
देवघर । सीतामढ़ी समेत पूरा मिथिला लेल सुखद समाद अछि। सीतामढी स जनकपुर तक सीधा सड़क बनेबाक स्वीकृति केंद्र द देलक अछि। संगहि पुनौरा धाम मे भव्य सीता मंदिर बनेबाक बाट सेहो साफ भ गेल।  एकर विधिवत घोषणा 17 अप्रैल स शुरु भ रहल जानकी महोत्सव मे भ सकैत अछि। बिहार क राज्यपाल महामहिम सत्यपाल मालिक समेत कईटा गणमान्य लोक एहि महोत्सव मे शामिल हेतथि। 24 अप्रैल कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सीतामढ़ी मे एहि प्रोजेक्ट क संभवत: एलान करताह। एहि संबंध मे जानकारी दैत भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा आ सीतामढ़ी सांसद रामकुमार शर्मा कहला अछि जे इ रामायण सर्किट क विस्तार योजनाक हिस्सा अछि। पिछला साल केंद्रीय पर्यटन मंत्री क देल बयानक बाद काफी हंगामा भेल छल जाहि मे ओ कहने छलाह जे सीतामढ़ी मे माता सीता क प्रकट हेबाक कोनो प्रमाण नहि भेटल अछि ताहि लेल ओहि ठामक विकास लेल कोनो योजना नहि अछि। दोसर दिस इ समाद सेहो भेट रहल अछि ले बलिराजगढ़ क खुदाई लेल मुख्यमंत्री शीघ्र प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी स भेंट करताह। उल्लेखनीय अछि जे मिथिला नगरीक संबंध मे सेहो जानकारी अभाव अछि जे एहि ठामक खुदाई स पूर्ण भ सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments