एक दिन हम जरूर लौटब

एहि बेर हमर समय खराब छल। शायद जनता हमरा स नाराज अछि। एहन मे हमार बेसी उम्मीदवार संसद नहि पहुंचलाह। मुदा, फेर स समय बदलत। हमर पार्टी फेर स दम देखाउत। हम इ बुझाक कोशिश करब कि गलती कतय भेल। गलती स सबक लेल जाइत।

पटना। लोकसभा चुनाव मे भेटल करारा हार स पूर्व रेल मंत्री आ राष्ट्रीय जनता दल (राजद) प्रमुख लालू निराश त छथि, मुदा प्रधानमंत्री बनबाक हुनकर सपना एखनो मन मे जस क तस अछि। एकटा निजी समाचार चैनल कए देल साक्षात्कार मे ओ कहलथि जे हार आ जीत लोकतंत्र मे होइत रहैत अछि। जनताक फैसला हमरा मंजूर अछि, मुदा हम जनैत छी जे जनता एक बेर फेर हमरा जीता कए दिल्ली मे शक्तिशाली बनाउत। एहि बेर हमर समय खराब छल। शायद जनता हमरा स नाराज अछि। एहन मे हमार बेसी उम्मीदवार संसद नहि पहुंचलाह। मुदा, फेर स समय बदलत। हमर पार्टी फेर स दम देखाउत। हम इ बुझाक कोशिश करब कि गलती कतय भेल। गलती स सबक लेल जाइत। कमी दूर कैल जाइत। अंदरूनी विवाद कए जल्द स जल्द निबटाउल जाइत।ओ कहलथि जे एक न दिन ओ देश क प्रधानमंत्री जरूर बनताह। कखनो अपन आवास स आम लोक कए धकियाबै वाला लालू क अंदाज आब बदलि गेल अछि। दार्शनिक अंदाज मे ओ कहैत छथि जे जनता जनार्दन अछि । हुनकर आगू सब बौना अछि। राजद सुप्रीमो कहला जे हम या हमर पार्टी दूध मे खसल माछी क भांति नहि अछि। इ सवाल नहि उठबाक चाही जे कांग्रेस हमरा बाहर क रास्ता दिखा देलक। दरअसल दिल्ली मे ओकरे चलैत छैक, जेकरा लग सांसद क ताकत होइत छैक। हमारा लग सांसद कम अछि, त हम सत्ता मे ताकतवर कोनो भ सकैत छी। हालांकि, इ गठबंधन क दौर अछि। कोनो एकटा असगर पार्टी सरकार नहि बना सकैत अछि। लालू ओ खबरि कए सेहो खंडन केलथि, जाहि मे कहल गेल छल जे लालू आ कांग्रेस सुप्रीमो सोनिया गांधी क संबंध मे खटास आबि गेल अछि। हुनकर कहब छल जे गांधी परिवार स खटास हेबाक सवाल नहि उठैत अछि। कांग्रेस क अन्य नेता स सेहो कोनो मतभेद नहि अछि । हम सरकार मे पहिने कांग्रेस क साझीदार छलहूं। ओ समय क गप आओर छल , आब नव सरकार बनल अछि। समीकरण अलग अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments