राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार पौलथि पंकज, बिहारक देखाउल दम

नयी दिल्ली । राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार में अहि बेर बिहार के दू गोटे अपन दमदार उपस्थिति दर्ज केलनि अति। बिहारक गोपालगंज जिलाक  निवासी बॉलीवुड अभिनेता पंकज त्रिपाठी के न्यूटन फिल्म के लेल आय गुरुवार क  दिल्ली के विज्ञान भवन में स्मृति इरानी के हाथे विशेष पुरस्कार देल गेलनि आ ओहि गिरिधर झा के बेस्ट फिल्म क्रिटिक अवार्ड स नवाजल गेलनि।
गैंग्स ऑफ वासेपुर फिल्म स सुर्खियां में आयल  अभिनेता पंकज त्रिपाठी अखन तक बालीवुड के केटा कमर्शियल आर  सार्थक फिल्म सब में अपन अभिनय के कायल दर्शक सब  के  बना चुकल  छथि। हाल हे  में मसान फिल्म में वो अपने अभिनय के लिये चर्चा में  छथि। हालीवुडक  फिल्म देयर वाज टेरर फॉर थ्री डेज और मैंगो ड्रीम में थिएटरक  नामचीन हस्ती राम गोपाल बजाज के संगे लीड रोल में नजर आयल छथि। इ फिल्म  लंदन फिल्म फेस्टिवल,डबलिन,दक्षिणी अमेरिका और मामी मुंबई फिल्म फेस्टिवल में  समीक्षक और दर्शक सब द्वारा खूब सराहल  गेल छल।
जानकारी हेत की इकरा स पहिने वर्ष 2002 में बिहारक  विनोद अनुपम के बेस्ट फिल्म क्रिटिक का अवार्ड भेटल छल । सोलह वर्षक  बाद बिहार निवासी गिरिधर झा के बेस्ट फिल्म क्रिटिक का नेशनल अवार्ड भेटलनि अछि ।  पटना रंगमंच स अपन अभिनय केर  करियर की शुरुआत करै  वाला पंकज त्रिपाठी नील बट्टे सन्नाटा,  मसान, मुन्ना माइकल, फुकरो रिटर्न्स , शाहरुख खां के संगे दिलवाले, संजय दत्त के संगे अग्निपथ, पंकज कपूर के संगे धर्म, अभिषेक बच्चनक  संग रण और अजय देवगन के संगे ओमकारा में काज क  चुकल  छथि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments