बडका पुल स फेर स चमकत मुसरीघरारी

पटना । कच्ची दरगाह आ बिदुपुर क बीच गंगा नदी पर देश क सबस लंबा छह लेन पुल क निर्माण स राघोपुर दियारा क संगहि एक बेर फेर मुसरीघरारी चमकि जायत। नव पुल क निर्माण पटना दिस मे कच्ची दरगाह लग सबलपुर स शुरू होएत जे वैशाली दिस बिदुपुर स्थित चकसिकंदर आ गाजीपुर चौक क बीच जुड़त। जे मुसरीघरारी एनएच-103 स चकसिकंदर मे होएत। ओना हाजीपुर-महनार रोड स्टेट हाइवे 93 क कनेक्टिविटी नव पुल स करबा लेल पहिने रैंप सड़क बनत। एहि पुल कए बनला स समस्तीपुर कए ओहने लाभ होएत जेहन गंगा सेतु बनला स मुजफ्फरपुर कए भेल छल। कच्ची दरगाह- बिदुपुर पुल क निर्माण कार्य आरंभ भ गेल अछि।  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर कार्यारंभ केलथि अछि। एहि अवसर पर उप मुख्यमंत्री तेजस्वी प्रसाद यादव सहित  राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद आ अन्य स्थानीय नेता उपस्थित छलाह।

इ पुल चारि साल मे तैयार होएत। पुल क लंबाई 9.76 किलोमीटर अछि। पुल क दनू दिस 13 किलोमीटर एप्रोच रोड बनत। पटना दिस डेढ़ किलोमीटर आ वैशाली दिस साढ़े आठ किलोमीटर एप्रोच रोड बनत। एकरा लेल 312 एकड़ जमीन क जरूरत अछि। पुल निर्माण क ठेका कोरिया क कंपनी देवू आ भारत क कंपनी एल एंड टी कए भेटल अछि। पुल क निर्माण मे 4988 करोड़ खर्च आउत। एहि मे जमीन अधिग्रहण पर 696 करोड़ खर्च शामिल अछि। पुल  निर्माण लेल एडीबी स 3000 करोड़ ऋण लेल गेल अछि। बिहार राज्य पथ विकास निगम क देखरेख मे पुल क निर्माण होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments