मुंगेर रचलक इतिहास, घर घर पहुंचल बिजली

पटना । बिहारक मुंगेर जिला एकबेर फेरसँ प्रदेशमे अपन झंडा लहरौलक। सभ घर बिजली योजनाक क्रियान्वयन मे मुंगेर प्रदेशमे पहिल स्थान प्राप्त कएलक अछि। बिजली विभाग द्वारा वर्ष 2017 सँ 2018 जून केर आखिरी धरि जिलामे 9960 नव उपभोक्ता सभकें मोफदमे विद्युत कनेक्शन उपलब्ध करयबाक लक्षण देने छल।
ई लक्ष्य मुख्यमंत्री सातटा निश्चय योजना एवम प्रधानमंत्री सौभाग्य सहज योजनाक अंतर्गत प्रदेशक सभ घर धरि बिजली पहुँचबाक लेल छल। अहि लेल बिहारमे पैघ स्तर  पर काज शुरू कएल गेल । लक्ष्य पूर करबाक लेल आठ जिला सभकेँ जूनक आखिरी धरि समय देल गेल छल।
मुंगेर जिलामे अहि काजकें शिव सांई मेटल पटना समय पूर्व  नतीजा देलक। अहि संबंधमे बिजली विभागक कार्यपालक अभियंता विनोद प्रजापति घोषणा कएलाह कि मुख्यमंत्री सात निश्चय योजना एवम प्रधानमंत्री सौभाग्य सहज योजना अंतर्गत एपीएल परिवार सभकेँ मोफद मे बिजली कनेक्शन शिविर लगाकS देल गेल।
जिलामे अनुमंडल वार, प्रखंडवार आ पंचायतवार शिविर लगाकS लक्ष्य केर तय समय सीमाक अंतर्गत पूर कS लेल गेल। ओ  शिव सांई मेटल पटनाक प्रति आभार जतौलनि आऔर बजलाह कि एजेंसीक कर्मचारी सभक मेहनत आऔर लगनसँ काज करबाक नतीजा अछि जे समय सीमा सँ पहिनहि लक्ष्य प्राप्त कS लेल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here