गणितज्ञ डॉ वशिष्ठ नारायण सिंह पर प्रकाश झा निर्देशित फिल्‍म बनत

रामबाबू
पटना । बिहारक ख्याति प्राप्त महान गणितज्ञ डा वशिष्ठ नारायण सिंह के’ जीवन पर जल्दिए फिल्‍म बनत,  प्रोड्यूसर प्रीति सिन्‍हा, सह-प्रोड्यूसर नम्रता सिन्‍हा आ अमोद सिन्‍हा एकर संकेत देलक अछि।सम्प्रति गणितज्ञ वशिष्ठ नारायण सिंह मानसिक रोग सिज़ोफ्रेनिया सँ पीड़ित अछि। एकटा एहन व्यक्तित्व जे आंइस्टीन केर सापेक्ष सिद्धांतकें चुनौती देने छलाह। हुनका लेल एकटा बात प्रसिद्ध अछि कि नासामे अपोलो के’ लांचिंग सँ पहिने जखन 31 कंप्यूटर किछु काल लेल बंद भ’ गेल, त’ कंप्यूटर ठीक भेलाक बाद हुनकर आऔर कंप्यूटर्स केर गणना एक जकाँ भेटल।
प्रीति सिन्‍हा मानैत अछि कि वशिष्ठ बाबू केर बॉयोपिक सभक सोझा अवश्य अएबाक चाहि। तेँ हम हुनकर अनटोल्‍ड कहानीक बॉयोपिक मादे पर्दा पर अनबाक प्रयास करि रहल छी।
अहि लेल पहिने हुनकर परिवार सँ राइट भेट गेल अछि।हुनकर बॉयोपिक के’ बिहारक प्रसिद्ध निर्देशक प्रकाश झा निर्देशित करताह। ओ फिल्म निर्देशन लेल स्वीकृति दS देलक अछि। वर्तमानमे ओ एकर कास्टिंग पर काज कS रहल अछि, जेकर घोषणा सेहो कलाकार सभक अभिपुष्टि बाद करताह। बॉयोपिक केर निर्माण रील लाइफ इंटरटेंमेंट विनय पिक्‍चर्स सँग मिल कS करताह।
प्रीति सिन्‍हा केर पिता विनय कुमार सिन्‍हा अछि, जे सलमान खान आऔर आमिर खान स्‍टारर ब्‍लॉक बस्‍टर फिल्‍म ‘अंदाज अपना अपना’ के’ प्रोड्यूस कएने छलाह। विनय कुमार सिन्‍हा सेहो गणितज्ञ डॉ वशिष्ठ नारायण सिंह केर बययोपिकमे सामिल अछि। फिल्‍म केर मुहूर्त बिहारहि मे होयत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments