जिला अस्‍पताल मे मोतिहारी सबस नीक, बेगूसराय दोसर नंबर पर

0
7
esamaad maithili newspaper

रामबाबू

पटना । राज्यक स्वास्थ्य संस्थान सभक मूल्यांकन कएल गेल अछि। जिला अस्पतालकें सूचीमे पहिल स्थान मोतिहारी  आ दोसर बेगूसराय कए भेटलनि अछि। पहिल स्थान प्राप्त संस्थानकेँ पचास लाख आ दोसर स्थान वालाकेँ बीस लाख रुपैया पुरस्कार देल जेतनि। राज्य स्वास्थ्य समितिक कार्यपालक निदेशक लोकेश कुमार सिंह केर अध्यक्षतामे मंगल दिन राज्यक कायाकल्प कार्यक्रम केर अंतर्गत राज्य स्तरीय पुरस्कार कमिटिक बैसारमे ई निर्णय सभ लेल गेल।

बैसारमे सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्रक श्रेणीमे गोपालगंज केर उचका गाम पहिल आ ओरंगाबाद केर मदनपुर गामकें दोसर स्थान भेटलनि।अहि श्रेणीमे पहिल स्थान प्राप्त कएनिहार संस्थाके पन्द्रह लाख आ दोसर स्थान वालाकेँ दस लाख रुपैया देल गेलनि।

कर्मचारी लोकनिक प्रोत्साहन लेल पुरस्कार राशिक पच्चीस प्रतिशत संस्थास्क सलंग्न कर्मचारी सभकेँ प्रदान कएल जाएतनि। शेष पचहत्तर प्रतिशत संस्थानकेँ सुख सुविधा आ मूलभूत कमीकेँ दूर करबा पर उपयोग कएल जाएत।  बैसारमे अपर कार्यपालक निदेशक, संजय कुमार सिंह, करुणा कुमारी, डॉ सरिता, डॉ आरडी रंजन, विमल कुमार सिंह, नवीन सिंह, डॉ सीमा सिन्हा सहित  राज्य स्वास्थ्य समिति के अन्य वरीय पदाधिकारी एवम डेवल्पमेंट पार्टनर केर प्रतिनिधि भाग लेने छलाह।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page