दरभंगा-सहरसा-खगड़िया-मधेपुरा मे ठनकाक चपेट मे एला सं एक दर्जन लोकक भेल मौत

सरहरसा, खगडि़या आ मधेपुरा मे काल्‍हि राति जबरदस्‍त तुफान आएल । ठनका मे करीब एक दर्जन स बेसी लोगक मरबका सूचना भेटल अछि ।

पटना । मिथिला क्षेत्र में आएल आंधी तूफान मे लगभग दस गोटेक मृत्यू भ गेल । जानकारीक अनुसार ठनका खसबासं दरभंगा, खगड़िया मे 3 गोटेक मरबाक खबर अछि । दरभंगा जिलाक कुशेश्वरस्थान आ बिरौल मे चारि गोटेक मरबाक बात कहल जा रहल अछि । एखन धरि कुशेश्वरस्थान थाना क्षेत्र मे चारि टा तथा बिरौल मे एक व्यक्तिक मरबाक पुष्टि भेल अछि।

ओतहि खगड़िया मे मवेशी चरेबाक क्रम मे एक युवकक मृत्यु भ गेल । कुशेश्वरस्थानक कुबोटन गांवक हरिलाल यादवक 55 वर्षीय पुत्र महादेव यादव गांवक बाहर शौच करबा लेल निकलल छलाह । एहि क्रम मे ओ ठनकाक शिकार भ गेलाह । दुबहा गांवक रूपलाल यादवक 55 वर्षीय पुत्र मदन यादव, बिरौल थाना क्षेत्रक नौडेगा बलहा गांव निवासी साधुशरण यादवक पुत्र 35 वर्षीय पुत्र हरेराम यादव तथा विलट रामक 34 वर्षीय पुत्र जनार्दन रामक सेहो मौत एहि घटना मे भेल अछि। घटना सुबह करीब सात बजेक अछि। हरेराम व जनार्दन ट्रैक्टर चालक छलाह ।

ओमहर बिरौलमे मवेशी चरेबा लेल निकलल बिंदे यादव वज्रपातक चपेट मे एबाक कारण गंभीर रूप सं घायल भ गेलाह। दोसर दिस सहरसा जिलाक सिमरी बख्तियारपुर अनुमंडलक बलवाहाट ओपी क्षेत्र के करूआ गांवमे दू गोटेक मृत्यु भेल अछि आ एक बच्चा गंभीर रूप सं घायल अछि । तीनू बच्चा 10 वर्षीया मनीषा कुमारी, आठ वर्षीय अंकित कुमार आ छह वर्षीय अविनाश कुमार एकहि परिवारक अछि । ई तीनू गोटे गाछी मे आम चुनबा लेल गेल छलाह । ओमहर खगड़िया जिलाक मानसी थाना क्षेत्रक सरसवा गांव मे वज्रपात हेबास एक गोट युवकक मौत हेबाक बात कहल जा रहल अछि। सरसवा गांवक निवासी समसागर चौधरीक पुत्र 21 वर्षीय बिट्टू कुमारक मौत मवेशी चरेबाक दौरान बिजली खसबा सं भेल अछि। एकरा अतिरिक्त बिहार भरि मे आजुका आंधी तुफान में आदमी मरबाक खबर अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here