बिहार बंटवारा क पक्ष मे नहि छी : पप्पू

जातीय उन्‍माद पसारबा लेल सब पार्टी जिम्‍मेदार

जैनेंद्र

Pappu Yadavपटना । राजद सांसद राजीव रंजन उर्फ पप्‍पू यादव कहला अछि जे ओ बिहार क बंटवारा क पक्ष मे नहि छथि मुदा मिथिला क संग भ रहल भेदभाव आब बर्दास्‍त नहि कैल जा सकैत अछि। ओ कहला जे उपेक्षा अगर जारी रहल त अलग राज्‍य क मांग आओर जोर पकडत। बिहार क सत्‍ता मे मिथिला क उपेक्षा पर पप्‍़पू यादव कहला जे मिथिला क लोक जखन चाहत तखन सत्‍ता अपन हाथ मे ल लेत । ओ कहला जे मिथिला सब दिन स सत्‍ता क धुरी रहल अछि । मिथिला एखन धरिक सब सरकार मे सबस बेसी विधायक देलक अछि । कांग्रेस हो वा लालू प्रसाद या फेर नीतीश कुमार क सरकार, मिथिला क सर्वाधिक विधायक सत्‍ता मे रहल। बावजूद मिथिला क उपेक्षा होइत रहल। सांसद पप्‍़पू यादव शनिदिन इसमाद डाट कॉम संग खास गपशप मे कहला जे नायक आ महानायक बनेबाक अधिकार जनता क हाथ मे अछि। बिहार मे जातीय राजनीति क सवाल पर ओ कहला जे जातीय उन्‍माद पसारबा मे कमोबेश सब पार्टी आ नेता समान रूप स जिम्‍मेदार छथि।  बिहारक सर्वमान्‍य नेता बनबाक सवाल पर ओ कहला जे लोकतंत्र मे सबटा बाट जनता तय करैत अछि। अपन भूमिका हमरा पता अछि। हम जाति क राजनीति नहि करैत छी। हम विद्यापति आ दिनकर क आदर्श पर चलै वाला लोक छी । जेना हुनकर रचना सब जाति मे समान रूप स लोकप्रिय अछि, तहिना हम सब जाति कए समान नजरि स देखैत छी। हम गरीब कए सम्‍मान आओर अधिकार दियेबा मे लागल छी। जनता दल परिवार मे भ रहल महाविलय क बाद अपन भूमिका पर ओ कहला जे आगू क भूमिका पार्टी नेतृत्‍व तय करत। सांप्रदायिक उन्‍माद पर ओ कहला जे मजहबी उन्‍माद क कारण समाज स इंसानियत खत्‍म होइत जा रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

 

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. बिहार के राजनिती में १६ अना जातीबाद पसरल य् , एही कारन बिहार के बिकाश नय भेल , जिम्मेदार नेता स् बेसी जनता य् |

Comments are closed.