मिथिलाक बेटी नेहा लहरेती फेमिना मिस इंडिया 2017 मे विजयी परचम

पटना । फेमिना मिस इंडिया 2017 लेल आयोजित फाइनल ऑडिशन मे बिहार सं तीन गोट लड़की केर चयन कैल गेल अछि । जानकारी अनुसार पटनाक पीएनएम मॉल मे शुक्रदिन मिस इंडिया लेल ऑडिशन आयोजित कैल गेल । फेमिना मिस इंडिया लेल राज्य भरिक छह गोट प्रतिभागी चयनित कयल गेलीह । एहि मे सं तीन गोट प्रतिभागीक चयन फाइनल लेल कैल गेल अछि । रैंप वाक, डांस आ कतेको तरहक प्रश्नक माध्यमे प्रतिभागी लोकिनक क्षमताक आंकलन कैल गेल । ऑडिशनक अंत मे दानापुरक तनुश्री कए फर्स्ट, समस्तीपुरक नेहा सेंकेंड आ केन्द्रीय विद्यालयक प्रियंकाक चयन तेसर प्रतिभागीक रूप मे कैल गेल अछि । कहल जा रहल अछि जे जजक रूप मे फिल्म डायरेक्टर विशाल वर्मा उपस्थित छलथि ।

चयनक उपरांत तीनू प्रतिभागी कहलिन जे ओ लोकिन बिहारक प्रतिनिधत्व करैत विजयी प्राप्त करबाक भरिसक प्रयास करतीह । मिथिलाक बेटी नेहा इ समाद सं गप करबाक क्रम मे कहलक जे चयन हेबाक प्रसन्नता अछि, मुदा आगा कंपीटिशन आर टफ होयत । एहि लेल पूरा तैयारी करबाक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें