मिथि‍ला मखान जीत आनलक राष्ट्रीय पुरस्कार

पटना । चंपारण टॉकीज क बैनर तर बनल निर्देशक नीतिन चंद्रा क बहुप्रतिक्षि‍त फिल्म मिथि‍ला मखान कए क्षेत्रीय भाषाक श्रेणी में राष्ट्रीय पुरस्कार देबाक घोषणा कैल गेल अछि । बिहार क कोनो क्षेत्रीय भाषा लेल भेटल इ पहिल पुरस्कार छी । एहि प्रकार स मैथि‍ली फिल्म क इतिहास मे सोमदिन एकटा नव अध्याय जुड़ि‍ गेल । राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार लेल पहिल बेर मैथि‍लीक कोनो सिनेमा शामिल भेल आ पुरस्कार जीतलक । करीब आधा दशक बाद आख‍िरकार मैथि‍ली फिल्म अपन अस्ति‍त्व सिद्ध कए लेलक । एहि ‍फिल्मक स्क्रीनिंग सोमदिन पटना मे सेहो कैल गेल । एहि फिल्मक निर्माता प्रसिद्ध अभि‍नेत्री नीतू चंद्रा छथ‍ि । फिल्म मे मुख्य किरदार क्रांति प्रकाश झा आ अनुरिता झा निभेने छथि‍ । एहि फिल्मक शुटिंग कनाडा आ दरभंगा प्रमंडलक विभ‍िन्न ठाम भेल अछि । उल्लेखनीय अछि जे मैथि‍ली सिनेमाक इतिहास मे ममता गाबय गीत पहिल फिल्म छल जेकर निर्माण 1963 में शुरू भेल छल ।

राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार मे एहि बेर सर्वश्रेष्ठ सिनेमा क रूप बाहुबली जखनकि कि सवश्रेष्ठ अभि‍नेता क पुरस्कार अमिताभ बच्चन आओर सर्वश्रेष्ट अभि‍नेत्री क पुरस्कार कंगना रानौत क भेटल छल ।

नैना -जोगिन बन सवश्रेष्ट कला पर बनल फिल्म

53वां राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार क अंतर्गत ”नैना-जोगिन” कए ‘नन फीचर फिल्म श्रेणी’ मे सर्वश्रेष्ठ कला पर बनल फिल्म क रूप मे सम्मानित कैल गेल छल । ई श्रेणी राष्ट्रीय स्तर क अछि जाहि मे कोनो भी भाषा मे बनल कोनो एकटा फिल्म कए देल जाएत अछि । उल्लेखनीय अछि जे एहि साल पहिल बेर भोजपुरी सिनेमा कए खासतौर पर राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार मे स्थान भेटल, उदित नारायण क फिल्म ‘कब अईबू अंगनवा हमार’ कए क्षेत्रीय भाषा क श्रेणी मे सर्वश्रेष्ठ भोजपुरी फिल्मक  रूप मे सम्मानित कैल गेल ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments