दरभंगा मे 3 जून कए होएत मिस एंड मिसेज मिथिलाक ग्रांड फिनाले

फैशन डिजाइनर सह रेम्प कोरीओग्राफर नीतीश चंद्रा हेताह ब्यूटी कॉंटेस्ट कए शो डायरेक्टर 
ऑडिशन
22 अप्रैल कए दरभंगा
23 अप्रैल कए मधुबनी
2 मई कए मुजफ्फरपुर
3 मई कए समस्तीपुर 
समदिया
दरभंगा । दरभंगा मे पहिल बेर मिस एंड मिसेज मिथिला कॉंटेस्ट क आयोजन भ रहल अछि। 3 जून कए दरभंगाक ललित-कर्पूरी ऑडिटोरियम मे ग्रांड फिनाले होएत जाहि मे देशक प्रसिद्ध फैशन डिजाइनर सह रेम्प कोरीओग्राफर नीतीश चंद्रा सहित मुंबई स आयल फैशन इंडस्ट्री क सुपर मॉडल्स एहि प्रतियोगिता कए जज करतथि।
एहि ब्यूटी कॉंटेस्ट कए शो डायरेक्टर फैशन डिजाइनर सह रेम्प कोरीओग्राफर नीतीश चंद्रा हेताह जे प्रतिभागीक ऑडिशन लेबा लेल मिथिलाक कईटा शहरक भ्रमण करताह। ओहि ठाम स चुनल गेल प्रतिभागी सब कए प्रशिक्षण देताह आ खुद पूरा शो कए कोरीओग्राफी  करताह।
रोटरी क्लब ऑफ मिथिला और तेजस्वी इन्फ्राटेक के सौजन्य स भ रहल एहि ब्यूटी कॉन्टेस्ट स मिथिला क लोक संस्कृति, कला कए बढ़ावा भेटत। पहिल बेर भ रहल एहि प्रकारक आयोजन में मिथिलाक युवती संग महिला सेहो डेग स डेग मिला रैंप पर चलतीह। दुनिया क फैशन मेप पर मिथिलानी क जलबा लोक देख चुकल अछि आब मिथिला मे रैंप देखबाक मनोरथ पूरा भ रहल अछि।
कार्यक्रम
22 अप्रैल कए दरभंगा
23 अप्रैल कए मधुबनी
2 मई कए मुजफ्फरपुर
3 मई कए समस्तीपुर
फाइनल ऑडिशन 20 मई कए दरभंगा मेे लेल जायत। ग्रांड फिनाले लेल कुल 30 प्रतिभागी चुनल जेतीह। 23 मई स 2 जून तक तमाम फाइनलिस्ट ेकए ट्रेनिंग आ ग्रुमिंग देल जायत। 3 जून कए दरभंगा मे ग्रांड फिनाले होएत जाहि मे नीतीश चंद्रा सहित मुंबई स आयल फैशन इंडस्ट्री क सुपर मॉडल्स एहि प्रतियोगिता कए जज करतथि।   रेजिस्ट्रेसन शुरू भ चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments