पूर्णिया मे लाग’ जा रहल अछि नॉर्थ ईस्ट क सबसँ पैघ मिल्क प्रोसेसिंग प्लांट

0
35
रामबाबू
पटना । पूर्णियामे नॉर्थ ईस्ट केर सबसँ पैघ मिल्क प्रोसेसिंग प्लांट लाग’ जा रहल अछि। कोसी डेयरी मे 2 लाख लीटर क्षमताक मिल्क प्रोसेसिंग प्लांट लगाबय लेल बिहार स्टेट मिल्क कोऑपरेटिव फेडरेशन द्वारा टेंडर केर प्रक्रियाक बाद कंपनी के’ चयन कS वर्क ऑर्डर सेहो द देल गेल अछि। प्लांट लगाबय लेल पशुपालन विभाग द्वारा 7.5 एकड़ जमीन कोसी डेयरी प्रोजेक्ट के’ देल गेल अछि। प्लांट लगेलाक बाद दूधक पैकेजिंग केर अलावा दुधसँ  तैयार प्रोडक्ट मतलब दही, पेड़ा, पनीर आ कलाकंद सेहो बनाओल जाएत।
बेसी क्षमताक प्लांट लगेला सँ दूध उत्पादन बढ़ेबाक दिशामे काज सुदृढ़ होयत। हजारो लोक सभक लेल रोजगार सृजन होयत। एखन पूर्णिया प्रमंडल केर चारि जिला पूर्णिया, कटिहार, अररिया आ किशनगंज गांम सभसँ रोज करीब 30 सँ 40 हजार लीटर दूध कोसी डेयरीमे पहुंच रहल अछि। कोसी डेयरीमे एखन 40 हजार लीटर क्षमताक प्लांट लागल अछि। एतय दूधक प्रोसेसिंग आ पैकिंग कS प्रमंडल केर बाजार सभमे भेजल जा रहल अछि। एतय दही, पेड़ा आ कलाकंद सभक मांग सेहो बढ़ि रहल अछि। तेँ नितदिन 500 सँ हजार किलो दही, 6 सँ 7 हजार पैकेट लस्सी केर अलावा कलाकंद आ पेड़ाक सेहो सए सँ दू सए पैकेट के’ माँग भ’ रहल अछि।
एखन ई बरौनी सँ मंगाओल जा रहल अछि। बेसी क्षमताक प्लांट लगला सँ ई पूर्णियामे सेहो तैयार होमय लागत। कोसी डेयरी प्रोजेक्ट केर असिस्टेंट मैनेजर एमआईएस (मैनेजर इनफॉरमेशन सेंटर) अखिलेश मोहन केर मोताबिक प्लांट लगेबाक लागत करीब 28 करोड़ अबैत अछि। कंपनीकें वर्क आर्डर पहिनहि भेट चुकल अछि। एतय  प्लांट लगेबाक काज सेहो जल्दिए शुरू होमय बला अछि।

Comments

comments