फरवरी मे होएत सकरी निर्मली लेल मेगा ब्लाक

अगिला वित्त वर्ष मे चालू होएत कोसी महासेतु

पटना । सकरी और निर्मली के बीच आमान परिवर्तन लेल मेगा ब्लाक फरवरी मे होएत। रेलवे एकरा लेल तैयारी शुरु क देलक अछि। एहि रेलखंड क आमान परिवर्तन भेलाक बाद कोसी पर बनल महासेतु चालू भ सकत आ करीब 82 साल पुरान रेलखंड पर एक बेर फेर स ट्रेनक आवाजाही शुरु भ जाएत। झंझारपुर क सांसद बिरेंद्र चौधरी कए मानी त एहि रेल खंड पर ट्रेनक परिचालन अगिला सालक अंत तक शुरु भ जाएत आ एकर उदघाटन प्रधानमंत्री खुद अपन हाथ स करतथि। दरअसल रेलवे अपन महत्वाकांक्षी विजन 2020 क तहत दिल्ली से असम वाया दरभंगा एकटा वैकल्पिक रेखमार्ग बनेबा लेल काज क रहल अछि। इ रेलमार्ग दूनू राज्य कए वर्तमान दूरी कए सेहो कम करत। इ पूरा रेलखंड ईस्ट वेस्ट कारीडोर जेकां होएत।
उल्लेखनीय अछि जे तिरहुत सरकार क कार्यकाल मे बनल फारबिसगंज – दरभंगा रेलखंड 1934 क भूकंप मे तबाह भ गेल आ इ दूनू इलाका पिछला 80 साल स रेल मार्ग स जुडि नहि सकल अछि। एहि लाईन परएक बेर फेर स ट्रेन चलबाक उम्मीद तखन जगल जखन तत्कालीन रेलमंत्री नीतीश कुमार कोसी पर महासेतु बनेबाक घोषणा केलथि, मुदा घोषणा क एतबा साल भ गेलाक बावजूद इ सेतु एखन धरि पटरी स जुडि नहि सकल अछि। रेलवे सूत्रक मानी त सकरी आ निर्मली रेलखंड क आमान परिवर्तन पर जे राशि खर्च हेबाक अछि तेकर आवंटन भ गेल अछि। एहि रेल लाइन लेल 400 करोड़ क लागत स पहिने कोसी नदी पर 2 किमी स बेसी लंब महासेतु तैयार अछि। एहि रेल लाइन कए चालू भेला स असम स दिल्ली लेल ट्रेन सकरी, दरभंगा, सीतामढ़ी, नरकटीयागंज होइत गोरखपुर क रास्ता स नयी दिल्ली तक जायत।
दरभंगा नरकटीयागंज खण्ड पर सिकटा-नरकटीयागंज क बीच पिछला स मेगा ब्लाक अछि, जाहि पर अप्रैल स परिचालन शुरु भ जाएत। एहि रेल खंड क खुलला स असम क नयी दिल्ली स दूरी कम भ जाएत आ एखुनका रेल खंड पर भार सेहो क भ जाएत। एहि रेलखंड कए पूरा करबा लेल रेलवे अररिया गलगलिया क बीच 101 किमी नब रेल लाईन सेहो तैयार क रहल अछि। योजना अनुसार नरकटीयागंज-दरभंगा-निर्मली-फारबसीगंज लाईन कए खुलला स अररिया गलगलिया नब रेल लाइन सेहो तैयार क लेल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. चिरप्रतिक्षित अछि ।

    बहुत खुशीक समाद ।

Comments are closed.