तैयार भेल रेलवेक मिथिला भ्रमणक योजना


मुजफ्फरपुर । उत्तर बिहार क सांस्कृतिक स्थल पर देशी-विदेशी पर्यटक कए आकर्षित करबा लेल इंडियन रेलवे कैटरिंग एंड टूरिज्म कॉरपोरेशन (आईआरसीटीसी) पिछला कई मास स योजना तैयार करि रहल छल। जेकर समाद पहिने अपने लोकनि कए भेट चुकल अछि। एहि विशेष योजना कए आईआरसीटीसी अंतिम रूप द देलक अछि। उत्तर बिहारक प्रतुख स्थल कए प्रमोट करबाक लेल विशेष टूरिज्म पैकेज कहियो घोषित भ सकैत अछि। योजना क तहत पर्यटक ट्रेन क रूट मुजफ्फरपुर, दरभंगा, मधुबनी आ सीतामढ़ी द कए तय कैल गेल अछि। एहि जिला क विभिन्न विख्यात स्थल पर पर्यटक कए पहुंचेबा लेल बस आ टैक्सी क सेहो व्यवस्था कैल जा रहल अछि। जानकारी क मुताबिक, आईआरसीटीसी मधुबनी कए मिथिला पेंटिंग, जयनगर कए नेपाल क प्रवेश द्वार, दरभंगा कए द्वारबंग, सीतामढ़ी कए मां जानकी क जन्मस्थली आ मुजफ्फरपुर कए बाबा गरीबनाथ नगरी क रूप मे प्रचारित-प्रसारित करि पर्यटक कए एहि दिस आकर्षित करत। एकर अलावा पर्यटक कए नेपाल क नैरोगेज ट्रेन मे सेहो घुमाउल जाएत। हुनका एहि ट्रेन क माध्यम स विभिन्न सांस्कृतिक जगह क भ्रमण कराउल जाएत। सूत्र क अनुसार मुजफ्फरपुर जिलाक काबासोकुंड भगवान महावीर क जन्मस्थली क रूप मे आ वैशाली जिला मे अवस्थित जैन मंदिर कए पावापुरी, पारसनाथ आ भागलपुर क संग जैन सर्किट स जोड़ल जा रहल अछि। ताकि एहि धर्म कए माननिहार कए पर्यटक संग एहि ठाम आनल जा सके।